Tuesday, February 26, 2013

Parimal Aloke :Emerging Actor and Director in Bollywood


मिथिलाक भू-भाग पर पल्लवित-पुष्पित प्रतिभा अपन क्षमताक प्रदर्शन प्रत्येक क्षेत्रमें नीक जकां कs रहल छैथ। एहने मैथिलमें एकटा प्रमुख स्थान रखनिहार छैथ परिमल आलोक झा। परिमल आलोक नीक अभिनेता, निर्देशकक संग संग नीक इन्सान छैथ। मूल रुपसं मधबनी जिलाके अन्तर्गत बेनीपट्टीक रहनिहार परिमल जी निस्सन अभिनेता नसीरुदीन शाहक थियेटर ग्रुप MOTLEY केर अहम सदस्य छैथ। प्रसिद्ध कथाकार हरिशंकर परशाईक  लिखल हिन्दी कथा- संग्रह कथा कोलाजकेर प्रोडक्शनमें महत्वपूर्ण भूमिका निबाहने छैथ।थियेटरक माध्यमें रत्ना पाठक शाह, बेंजामिन गिलानी, आकाश खुराना जेहन चर्चित व्यक्तिवक संग अभिनय कय चुकल छैथ। परिमल आलोक जी भारत केर विभिन्न स्थान पर आओर तीन अन्तर्राष्ट्रीय थियेटर फ़ेस्टिवल- त्रिसुरमें आयोजित इन्टरनेशनल थियेटर ऑफ़ केरला,जयपुर हेरिटेज इन्टरनेशनल फ़ेस्टिवल एवं राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD) केर भारत रंग-में सफ़ल नाट्य प्रस्तुति देने छैथ।

फ़िल्म निर्देशक दिवाकर बनर्जीक बहुचर्चित फ़िल्म “ लव, सेक्स और धोखा”में परिमल आलोक जीक प्रभावशाली अभिनयक बल पर लोकप्रियता सोपान पर चढलाह ।एहि फ़िल्ममें अभिनयक संग संग एकटा संवाद लेख़क केर काज केर निर्वहन सेहो केने छलाह। हिन्दी फ़िल्मक सफ़लतम निर्देशक प्रकाश झाक ब्लॉकबुस्टर “ राजनीति”में पत्रकारक भूमिकामें छलैथ।

एडसके प्रति जागरुकता के लेल बिल गेट्स फ़ाउन्डेशनक लेल चर्चित फ़िल्म निर्देशक विशाल भारद्वाज केर निर्देशनमें बनल फ़िल्म “ब्लड ब्रदर्स”में हुनक संग काज करबाक अवसर भेटल छलैन आ फ़िल्ममें पंकज कपूरक संग अभिनय केने छलैथ। क्राइम थ्रीलर “ करमचन्द”में एन्टागोनिस्ट्क भूमिका में छलैथ।

परिमल जी फ़ीचर फ़िल्म “ सड्डा अड्डा”में सफ़ल यादव बनल छलैथ जिनका फ़िल्ममें मधबनीक रहय बला बतावल गेल अछि।

अभिनयक संग संग परिमल जी एकटा उदीयमान निर्देशक छैथ। प्रसिद्ध हिन्दी लेख़क कामतानाथ जीक कथा पर आधारित फ़िल्म “ सड्डा अड्डा ” 23 मिनटक एकटा लघु फ़िल्म अछि। एहि फ़िल्मक निर्माता, निर्देशक आ अभिनेता परिमल जी अपने छैथ।

1 comment:

  1. जानकारी हासिल कयलहु - मन तहे-दिल सौं प्रसन्न भेल - विनोद कुमार मिश्र निवासी- पंडित टोल टभका, जिला- समस्तीपुर/बिहार

    ReplyDelete