Tuesday, December 16, 2014

Kumar Shailendra : A Mutlitalented Personality of Mithila



हिंदी फ़िल्मक चरित्र अभिनेता आलोकनाथ सदृश्य छवि वाला बहुआयामी व्यक्तित्व कुमार शैलेन्द्र जी अब नहीं रहलाह! प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंचसं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र (1964-2014) लोकप्रिय रंगकर्मी , सशक्त अभिनेता , जुझारू पत्रकार छलैथ। शैलेन्द्र जी मैथिलीक प्रसिद्द गीतकार रविंद्रनाथ ठाकुर द्वारा निर्मित अ निर्देशित हिंदी डोक्युमेंटरी फिल्म " आयुर्वेद की अमर कहानी " सं अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ केने रहैथ। तकरबाद, मैथिली फिल्म ' सिन्दूरदान " में हुनका अभिनय क्षमताक बड्ड प्रशंसा भेटल छल! सौभाग्य मिथिला पर प्रसारित धारावाहिक " दियर-भाऊज" के षडयंत्री कक्काके के बिसरत ! हुनक अंतिम फिल्म " घोघ में चांद" छल ! मैथिली सिनेमाक प्रेमी वर्ग दिससं भावभीनी श्रद्धांजलि !

No comments:

Post a Comment