Saturday, September 29, 2012

Actor Sanjay Singh: Mithilak "Fazlu" in Bollywood



संजय सिंह हिन्दी फ़िल्मक उदीयमान प्रतिभाशाली अभिनेता छथि। अनुराग कश्यप द्वारा निर्देशित बहुचर्चित फिल्म “गैंग ऑफ़ वासेपुर में फजलु दमदार किरदार निभा कए दर्शकक दिल जीतय बला  आ मूल रुप सं सहरसा (सोनपुरा) के रहनिहार संजय सिंह  राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD), दिल्लीसं 2010 में ग्रेज्यूयेशन आ पंजाब विश्वविद्यालय, चंडीगढ सं ड्रामा में मास्टर केने छथि।

संजय सिंह फ़िल्म में आबय सं पहिने कयकटा नाटक केने छलैथ जाहिमें अनील पंडित, प्रदीप डे आ आरटी राजनके संग “बकरी”, ‘अमली’, “कोर्ट मार्शल’ आदि किछु महत्वपूर्ण नाम अछि। दिल्ली अयलाहके बाद श्री राम सेन्टर सं अभिनयक कोर्स कयलनि। तदुपरान्त दिल्लीयेमें क्षितिज रिपर्टरीक संग किछु काज केलाह। ड्रामामें मास्टर डिग्रीक वास्ते संजय जी चंडीगढ चलि गेलाह । शिक्षाक उपरान्त संजय जी फ़ेरो दिल्ली चलि अयलाह आ किछुये दिनक बाद हुनकर चयन प्रशिक्षण राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD), दिल्लीमें भ गेलनि। NSD सं प्रशिक्षणक उपरान्त संजय जीके बड्ड पैघ पैघ निर्देशकक संग काज करबाक अवसर भेटलनि। इम्तियाज अलीक संग ‘ रॉकस्टार”, अनुराग कश्यपक ‘गैंग्स ऑफ़ वासेपुर 1 एवं 2”, विशाल भारद्वाजक ‘मटरु की बिजली का मंडोला” आदिमें नीक काज केलाह आ बड्ड प्रशंसा बटोरलाह। सम्प्रति संजय जी गुड़गांव स्थित किंगडम ऑफ़ ड्रिम्स कए संग काय़ कय रहल छथि।
  
रंगमंचीय अभिनय के बात कयल जाय त संजय जी प्रसिद्ध थियेटर निर्देशक अनुराधा कपूर, डॉ अंकूर, अभिलाष पिल्लई, शान्तनु बोस, दिनेश खन्ना, रॉबिन दास, मुस्ताक काक, सत्यब्रत राउत, सुरेन्द्र शर्मा, कुमार वर्मा, रानी बलबीर कौर, महेन्द्र कुमार, नीलम मान सिंह, राजेन्द्रन आदि के संग काज केने छथि जेकि अपने आपमें बड्ड महत्वपूर्ण अछि। संजय जीक भीतर अभिनयक असीम ऊर्जा भरल अछि।- Bhaskar Jha

No comments:

Post a Comment