Friday, November 2, 2012

Prem Nath Jha: A Verstile Actor in Hindi Films and Serials



छैथ उदीयमान अभिनेता प्रेम नाथ झा। गाढा टोल, झंझारपुर के रहनिहार प्रेम जी बहुत नीक अभिनेता छथि। मंडी ड्रामा स्कूल (हिमाचल प्रदे) सं अभिनयमें सुप्रशिक्षित प्रेम जी हिन्दी फ़िल्म "लव , सेक्स और धोखा", चर्चित सीरियल "लापतागंज" आदि में नीक अभिनय केने छलैथ। लंदन फ़िल्म फ़ेस्टिवल के लेल बनल फ़िल्म " कड़वी बातें-सुगर कोटेड"में एकटा अहम किरदारक भूमिका छैन प्रेम जीक। आबय बला फ़िल्म " द किस"में प्रेम जी अभिनय कें अलावा सहायक निर्देशक कें भूमिका सेहो निभा रहल छैथ । प्रेम जी संगीतमें सेहो स्नातक छथि । "की बोर्ड" आ बांसुरी खूब सुन्दर बजबै छैथ । सौभाग्य सं भगवती हिनका खूब सुन्दर आवाज सेहो देने छथिन । दिल्ली स्थित श्रीराम सेन्टर आ राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD)के रंगमंडल(repertory) में सेहो छलाह। संक्षिप्तत: प्रेम जी एकटा हरफ़नमौला कलाकार छैथ।

No comments:

Post a Comment