Saturday, October 15, 2011

"सजना के अंगना में सोलह सिंगार " : रिलीजक बादक आरंभिक रिपोर्ट आह्लादकारी (भास्कर झाक रिपोर्ट )



विश्वस्त सूत्र स प्राप्त सूचना के अनुसार मैथिलीक बहुचर्चित फिल्म सजना के अंगना में सोलह सिंगार, जे १४ अक्तूबर २०११ के रिलीज भेल ,के अपार सफलता भेट रहल अछि . अहि समय में इ फिल्म दरभंगा के छबी गृह क्रेज डोल्बी, सुपौल तथा बेनीपट्टी स्थित छबि गृह में बड धूमधाम स चलि रहल अछि . मधुबनिक छबि गृह सब में से हो जल्दिये देखावक प्रयास भय रहल अछि . फिल्म निर्देशक , कलाकार , संगीतकार श्री मुरलीधर जी मधुबनी स मोबाईल द्वारा सूचित कयाला कि टिकट काउंटर पर दर्शकगनअक बड भीर देखल जा सकैत अछि , इ अहि बताक द्योतक अछि कि यदि मैथिलि में बढ़िया फिल्म बनावल जाय ता दर्शाकगणक कोनो कमी नहिं. सजना के अंगना में सोलह सिंगारक सफलता मैथिलि सिनेमा के मुख्य धारा स जोराबक में बहुत महत्वपूर्ण साबित होयत.मैथिली के सुन्दर गीत संगीत और डैलोग स सजल मैथिलि फिल्म निर्माता संदीप झा प्रस्तुत सजना के अंगना में सोलह सिंगार मैथिली सिनेमा के इतिहास में अपन महत्वपूर्ण सफलता स अवश्य याद कायल जायत ! - भास्कर झा

4 comments:

  1. बहुत नीक ब्लॉग । आवश्यक छल ।

    ReplyDelete
  2. जेहने सुन्नर ललितगर विषय वस्तु , तेहने सुन्नर ब्लॉगक पृष्ठभुमिक रंग आदिक संयोजन ।

    ReplyDelete
  3. डॉ॰ शशिधर कुमर "विदेह" जी ....अपनेक बहुत बहुत सहृदय धन्यवाद प्रोत्साहन देबाक लेल !

    ReplyDelete
  4. bahut nik..........

    ReplyDelete