Wednesday, January 16, 2019

मैथिली सिनेमाक मकर मिलन समारोह


१५ जनवरी 2019क प्रारम्भ मकरसंक्रान्तिक दिन दही चूरा तिलवा लाई डालना संगे मैथली सिनेमाक भविष्यक नव शुरुआत भेल। बिहार सिने आर्टिस्टअशोसियेशनक तत्वाधानमें आयोजीत "मैथिली सिनेमाक मकर मिलन समारोह" जाहिमे मैथिली सिनेमाक विविध विधा सँ जुड़ल निर्देशक, कलाकार, संगीतकार, टेक्नीशियन अपन उपस्थिति दर्ज केलैथ, जाहिमे BJP भारतीय फिल्म अशोसियेशन प्रकोष्टक राष्ट्रीय अध्यक्ष एवँम अभिनेता श्री फूल सिंह जी, समाजसेवक अभिनेता श्री SC Mishra जी, फ़िल्म प्रेमक बसतक निर्माता वेदानन्द झा जी, सुपरस्टार खलनायक (गजराज) श्री राजीव सिंह, सुपरस्टार सजनाके अँगनामे सोलहसिंगारक हीरो श्री राहुल सिंह जी हीरोइन सुश्री राखी त्रिपाठी, गीतकार S Kumar हिंदी फिल्म निर्देशक श्री शशि वर्मा जी, गायक श्री संजय झा जी, संगीतकार गायक श्री सुनील पवन झा जी सबहक उपस्थित अति गरिमामय बहुत मनोरंजक रहल, सब केओ मैथिली सिनेमाक दसा दिशा उत्थान पर अप्पन अप्पन बहुमूल्य विचार रखलैथ। 


अहि समारोहमे हमरा मैथली सिनेमाक लेल कएल गेल योगदानक लेल लाइफ टाईम अचीवमेंट अवार्ड सँ समानित कएल गेल, तहिलेल हम बिहार फ़िल्म अशोसियेशनक हृदय सँ आभार प्रकट करैत छियैन्ह।


पंगहैतमे वरिष्ठ एडिटर श्री विभूति भूषण जी, प्रसिद्ध अभिनेता श्री लल्लन सिंह, एवँम सुपरस्टार हीरो ललितेश जिक अनुपस्थिति कने खटकल।

अहि कार्यक्रमक आयोजक जे स्वयं एकटा माजल परिपक्व अभिनेता जिनकर शीघ्र रिलीज होम वला श्री मनोज श्रीपति द्वारा निर्देशित फ़िल्म LOVE U दुलहिनक मुख्य खलनायक छथि आ बिहार सिने आर्टिस्टअशोसियेशनक अध्यक्ष श्री अमिय कश्यप जीकेँ आभार एवँम धन्यवाद नहि देवैन्ह तहन ई अपराध होएत, हिनके अथक प्रयास सँ मकर मिलन समारोह सफल भेल आ पहिलबेर मैथिली सिनेकर्मी सबकेँ एक छत्ता तर बैसक मैथिली सिनेमा पर चिंतन मनन विचार विमर्श करवाक सँयोग जुड़ल। श्री अमिय कश्यप जीकेँ पुनः धन्यवाद।

जय मिथिला।







Sunday, September 4, 2016

RAAKHI KE LAAJ: FILM ON LOVE & AFFECTION BETWEEN SIBLINGS




नारी सशक्तिकरण आ भाय-बहिनक अटूट बंधन, प्रेम आ स्नेह पर आधारित सामाजिक ओ परिवारिक फ़िल्मक निर्माण बड्ड कम्मे भेल अछि। बहुत दिनसं एहि प्रकारके फ़िल्मक खगता छल। मुदा एहि कमीके निराकरण करबाक उद्देश्यसं मैथिली सिनेप्रेमीक बीच एकटा सुन्नर मैथिली फ़िल्म आबि रहल अछि जकर नाम अछि “राखी के लाज”।

आनन्द फ़िल्म्स प्रोडक्शन हाउस केर बैनरक अधीन सुरेश मंडल द्वारा निर्मित फ़िल्म “राखी के लाज”क निर्देशन केने छैथ समस्तीपुर जिलाक दशौथ गामवासी युवा मैथिल निर्देशक नरेश मंडल । फ़िल्मक पटकथा आशुतोष सागर लिखने छथि। राम रसिला, आशुतोष सागर, नरेश मंडल, मंजु श्री दुबे, कंचन सिंह, सोनी, मोहन झा, सुश्मिता, जय कृष्णा दत्ता, राम सकल महतो अभिनित एहि फ़िल्ममे संगीत देने छैथ मनिष, रोहित आ प्रमोद। गीतक बोलके स्वर देने छैथ मनीषा विस्वास, मनीष नंदन झा, चंदन चंदन आसियाना, डॉली रानी, सोहेल सुल्तान, सोनी, पारस मनी, धरमवीर झा, आ सुष्मा झा। पवन मिश्राक सिनेमेटोग्राफ़ी ठीक ठाक बुझना जा रहल अछि। 2015मे शुरु भेल एहि फ़िल्मक शूटिंग समस्तीपुर, मधुबनी, दरभंगा, सहरसा आदि जेहन प्रसिद्ध स्थान पर कएल गएल अछि ।
 

  निर्देशक नरेश मंडल जी गायक उदित नारायणक संग
“राखी के लाज”क प्रमोशन टीजर जारी भs गेल अछि। प्रमोशन टीजर देखलाक बाद ई लगैत अछि जे किछु तकनीकी कमी आ साउण्ड संबंधी त्रुटिके छोड़िकए ई फ़िल्म ठीक- ठाक अछि। अप्पन भाषाक फ़िल्म रुपी लड्डू कतबो टेढ मेढ होउ, मनोरंजनक स्वाद मीठगरे होयत छैक।

“राखी के लाज” जल्दिये रीलीज होमय बला अछि। फ़िल्मक सफ़लताक लेल शुभकामना आ फ़िल्मसं जुड़ल सबलोकिनकें अप्पन भाषा मैथिलीमे फ़िल्म बनेबाक लेल हृदयसं धन्यवाद !



Saturday, September 3, 2016

NAMRI LUCHHA: MAITHILI ALBUM VIDEO



मैथिली गीतक माधुर्यसं आइ के नहि अवगत अछि? कहबाक आवश्यकता नहि जे मैथिली गीतक अपन गौरवमयी परम्परा रहल अछि। लोकगीत हो वा संस्कार गीत वा हास्य गीत, मिथिलामे मैथिलीक मधुर बोल प्रत्येक मैथिलक कंठमे बसल रहैत अछि।

मैथिलीमे ओना तs नित दिन गीतक एलबम बहराईत रहैत अछि, मुदा कानफ़ारु संगीतसं मैथिलीक गीत-संगीतक सुदीर्घ परम्पराकें आगू बढबामे विफ़ल होयत रहल अछि। भोजपुरी गीत-संगीतक तर्ज पर बनाओल गेल एहन गीतक सीडी मात्र किछुये दिन चललाक बाद गीत-प्रेमी हृदय ओ मानससं झटसं विस्मृत भ’ जायत अछि।

किछु मासपूर्व मुम्बई स्थित किछु मैथिली प्रेमी गायक, गीतकार, संगीतकार, अभिनेता आ निर्देशक केर सहयोगसं प्रस्तुत म्यूजिक एलबम विडियो “नमरी लुच्चा” मैथिली गीत प्रेमीके अपन सुन्दरतम प्रस्तुति दिस ध्यान आकृष्ट करबामे सफ़ल बूझना जा रहल अछि। एक्स्ट्रीम पिक्चर्स आ प्रवेश मल्लिक प्रोडक्शन्स केर बैनरके अनत्रग्त निर्मित मैथिलीक एकल विडियो एल्बम “नमरी लुच्चा” अपन कर्नप्रिय गीत-संगीत आ मैथिलीक खांटी बोलक सं संग प्रभावपूर्ण प्रस्तुतीकरण बलबूते आई मैथिली गीत प्रेमीकें बड्ड बेसी प्रभावित कएने अछि। मिथिलाक विभिन्न भागमे चर्चित आ लोकप्रिय एहि एलबमक गीतके लिखने छैथ प्रवेश मल्लिक। प्रवेश मल्लिकए के संगीतमे एकर धुन तैयार भेल अछि। हुनक संगीत संयोजन प्रशंसनीय अछि। गायक प्रेम प्रकाश कर्णक डबल रोल- गायनक आ अभिनयक दुनू गजबके लागि रहल अछि। प्रेमक आवाजमे जे खनक अछि ओ ई साबित क’ रहल अछि जे आबय बला समयमे फ़िल्मक लेल प्लेबैक सिंगिंगमे एकटा पैघ नाम होयताह! बॉलिवुडक उदीयमान अभिनेता संजीब पूनम मिश्राक दमदार अभिनय देखबा योग्य अछि। अभिनेत्री आफ़रीनक अदायगी मैथिली ललनाकें अभिनय दिस डेग आबय लेल एकटा अलगे संदेश दs रहल अछि। मिथिला-मैथिलीक गौरवपूर्ण इतिहास पर आ मिथिलाक सामाजिक कुव्यवस्था बहुत रास डॉक्यूमेंटरी बनेनिहार, ‘मुखियाजी’ फ़िल्मक सफ़ल निर्देशनसं चर्चित युवा निदेशक विकास झाक सिनेमेटोग्राफ़ी, सम्पादन आ निर्देशन प्रभावित करैत अछि। मुदा, विडियोक जेना नीक प्रारंभ भेल अछि, ओना अंत नहि।

नमरी लुच्चाक विडियो देखलाक बाद ई लगैत अछि कि ई कोनो आगामी मैथिली फ़िल्मक प्रोमोशन के लेल बनाओल गेल म्यूजिक विडियो अछि। एकर लोकप्रियता नमरी लुच्चा नामक मैथिली फ़िल्मक भावी निर्माणक आभास दिया रहल अछि। विशेष बादमे…..

एलबमसं जुड़ल समस्त सहयोगीके शुभकामना !


विडियो देखबाक लेल नीचा क्लिक करु