ई छथि सुमन झा आजुक समयक
उभड़ैत मैथिल अभिनेत्री। मूलत: सीतामढी जिलाके अन्तर्गत गाढा माने चौक केर रहनिहार सुमन जी
भोजपुरी फ़िल्म में अपन पैर जमा रहली अछि। पोगो चैनल पर प्रसारित सीरियल “
सुनयना”में चाइल्ड आर्टिस्ट के रुप में काज करयवाली सुमन जी कयकटा भोजपुरी
फ़िल्ममें अभिनय केने छैथ आर कय रहल छैथ। सुमन जीक पहिल भोजपुरी फ़िल्म छल- लहरिया
लूट ये राजा जी” । अपन दोसर भोजपुरी फ़िल्म “ सजनी पुकारे नदिया किनारे” में मुख्य
भूमिका निभौने छलीह, जेखनकि अपन तेसरका फ़िल्म “ काहे बांसुरिया बजौला”में दोसर
मुख्य भूमिका केने छलीह। अपन चौथा फ़िल्म “ दिल त पागल होला’में साहायक अभिनेत्री
बनल छलीह।
सुमन जीक पांचम फ़िल्म अहि “लव यू सजना” जाहिमें मूख्य भूमिका निभा रहल छैथ। फ़िल्म केर अलावा, सुमन जी बाटाक लेल एड सहित कयकटा एड फ़िल्म सेहो केने छथि । मैथिली फ़िल्म करय के इच्छुक सुमन झा नीक ऑफ़र भेटला पर मैथिली फ़िल्म करय के अपन इच्छा व्यकत केलीह।– भास्कर झा