Showing posts with label Manoj Jha (Director). Show all posts
Showing posts with label Manoj Jha (Director). Show all posts

Sunday, June 23, 2013

Maithili Films "Damru Ustad" and "Ghar Angan" : Shooting To Start Shortly



“घर आंगन” में “डमरु उस्ताद” क शूटिंग



परिवारिक फ़िल्म “सिन्दुरदान”क बाद आब निर्देशक अनूप कुमार लयकए आबि रहल छैथ अपन अगिला मैथिली फ़िल्म “ डमरु उस्ताद”। अनूप जी डीडी 1सं 21 बर्खसं जुड़ल स्थापित लेख़क आ निर्देशक छैथ। सम्प्रति ओ P7 NEWS दिल्ली एनसीआर आ मध्य प्रदेश केर प्रोग्राम हेड छैथ।  प्रसिद्ध रंगकर्मी आ मैथिली फ़िल्मक सफ़ल ओ स्थापित अभिनेता अनिल मिश्रा, शुभनारायण झा, कल्पना मिश्रा, विजय मिश्रा आ अभिनेत्री नेहा श्री अभिनित एहि फ़िल्ममें संगीत दय रहल छैथ लोकप्रिय गायक आ संगीतकार पवन नारायण । फ़िल्मक शूटिंग जुलाई सं प्रारंभ होमय जा रहल अछि। किछु दिन पहिनेहि एहि फ़िल्मक गीत पर काज सम्पन्न भेल। फ़िल्मक स्क्रिप्ट, कास्टिंग एवं शूटिंग लोकेशन फ़ाइनल भ गेल अछि।



दोसर दिस एकटा आओर मैथिली फ़िल्म “ घर आंगन”क निर्माणक समाद आयल अछि।  “ गरीबक बेटी”, “मायक कर्ज”, “सुहागिन” , “हमर अप्पन गाम अप्पन लोक”, “खुरलुच्ची”, “हमर सौतीन” आदि सहित ताबरतोर कयकटा मैथिली फ़िल्मक निर्देशन केनिहार जमीनी युवा निर्देशक मनोज झाक निर्देशनमें बनयबला एहि फ़िल्मक शूटिंग लगभग जुलाइ सं प्रारंभ होयत।

Tuesday, March 27, 2012

Manoj Jha : A Director With a Maithil Vision

मैथिली फ़िल्म निर्माण के क्षेत्र में दोसर पीढीक सुप्रसिद्ध युवा निर्देशक सब में मनोज झाक अपन नीक स्थान छनि। नवतुरिया कलाकार के फ़िल् में अवसर प्रदान करबाक लेल प्रसिद्ध मनोज जी "गरीबक बेटी" नामक फ़िल्म के निर्माण के संगहि फ़िल्म निर्माण में कदम रखलाह। आर ताबरतोर "चारु धाम", "मायक कर्ज", "सुहागिन", "हमर अप्पन गाम अप्पन लोक" आदिक निर्माण करिकय खूब नाम अर्जित करैत गेलाह। 

समय में मनोज जी "खुरलुच्ची" फ़िल्मक निर्माण में लागल छथि जाहि में शुभ नारायण झा, दिनेश मिश्रा, मिथिलेश चौरसिया आदि नीक कलाकारक धमाचौकड़ी अछि।  विश्वस्त सूत्रक मुताबिक "चारु धाम", 'मायक कर्ज" आ "हमर अप्पन गाम अप्पन लोक" समय पर प्रदर्शित होयबाक लेल तैयार अछि। 

मनोज जी अंगेजी फ़िल्म " ए डांस ऑफ़ रिवेंज " आर हिन्दी फ़िल्म " बुद्धम शरणम गच्छामि" आदिक निर्देशन सेहो केने छथि। मनोज जी द्वारा निर्देशित भोजपुरी फ़िल्म " बिजुलिया भौजी" एखन निर्माणाधीन अछि । अहि फ़िल्मक अलावे, मनोज जी के  कतेक रासे डॉक्यूमेन्टरी फ़िल्म के सफ़ल निर्देशन कारबाक श्रेय भेटल छनि !