दहेज प्रथा जकां कन्या भूणहत्या मैथिल
समाजक लेल अभिशाप थिक। भूणहत्याक कारण समस्त देशक संग संग मिथिलामे सेहो युवा-युवतीक अनुपातमे अप्रत्याशित कमी देखबाक
भेटि रहल अछि। फ़लस्वरुप, समस्त समाजक समक्ष विषम परिस्थिति उत्पन्न भ’ गेल अछि। एहि
ज्वलन्त समस्याके धेयानमे राखि एकटा मैथिली धारावाहिक केर निर्मान कएल गेल अछि जकर
नाम अछि- ''आब कहू मन केहन करैत अछि" !
वस्तुत: ''आब कहू मन केहन
करैत अछि" एकटा हास्य धारावाहिक अछि जेकि हास्य-व्यंग्यक माध्यमे समाजमे युवतीक कमीके
कारण अविवाहित युवाकें आ हुनक माता-पिताकें विषम परिस्थितिसं कोनाक’ लड़’ पड़ैत छनि,
ताहि कटु यथार्थक मार्मिकताक संग संग हास्यप्रद प्रस्तुतीकरण कएल गेल अछि।
एहि धारावाहिक केर निर्माण निर्मल
आर्ट्स क्रियेशन बैनरक अन्तर्गत कएल जा रहल अछि।धारावाहिकके निर्माता-निर्देशक
राजीव खानपुरी छैथ। कथा, पटकथा व् संवाद लिखने छैथ स्वयं राजीव खानपुरी एवं पूजा कर्ण । एपिसोड
निर्देशक विनोद कुमार सिंह, सहायक निर्देशन नवीन भारद्वाज, रणजीत धनकर, दीपक छैथ। मुख्य भूमिकाक निर्वहन कएने छैथ
किशोर केशव, प्रवीण झा(सिंटू), प्रकाश झा, सुधा झा, सृष्टि मिश्रा, कौशल कुमार, ज्योति झा, अनिल मिश्रा, मनोज पाण्डेय, शुभ नारायण झा, कल्पना मिश्रा, नीलेश दीपक, संतोष झा, संगीता तिवारी
आदि। आन कएक गोट पात्र धारावाहिकक कथा विकास आ विस्तारक संग जुड़ैत जायत। धारावाहिकक
सम्पादन केने छैथ किरण प्रियदर्शनी । शीर्षक संगीत व स्वर विकास झा देने छैथ। प्रचार
प्रसारमे नवीन भरद्वाज जी जोर लगा देने छैथ।
प्रतीक्षित धारावाहिक ''आब कहू मन केहन
करैत अछि" 5 नवंबरसं प्रत्र्येक बृस्पति आ शुक्र दिनकें राइत 9:30 बजे सं DD बिहार पर
प्रसारित होमय जा रहल अछि।

