नारी सशक्तिकरण आ भाय-बहिनक अटूट बंधन, प्रेम आ स्नेह पर
आधारित सामाजिक ओ परिवारिक फ़िल्मक निर्माण बड्ड कम्मे भेल अछि। बहुत दिनसं एहि
प्रकारके फ़िल्मक खगता छल। मुदा एहि कमीके निराकरण करबाक
उद्देश्यसं मैथिली सिनेप्रेमीक बीच एकटा सुन्नर मैथिली फ़िल्म आबि रहल अछि जकर नाम
अछि “राखी के लाज”।
आनन्द फ़िल्म्स प्रोडक्शन हाउस केर बैनरक अधीन
सुरेश मंडल द्वारा निर्मित फ़िल्म “राखी के लाज”क निर्देशन केने छैथ समस्तीपुर जिलाक दशौथ
गामवासी
युवा मैथिल निर्देशक नरेश मंडल । फ़िल्मक पटकथा आशुतोष सागर लिखने छथि। राम रसिला,
आशुतोष सागर, नरेश मंडल, मंजु श्री दुबे, कंचन सिंह, सोनी, मोहन झा, सुश्मिता, जय
कृष्णा दत्ता, राम सकल महतो अभिनित एहि फ़िल्ममे संगीत देने छैथ मनिष, रोहित आ प्रमोद।
गीतक बोलके स्वर देने छैथ मनीषा विस्वास, मनीष नंदन झा, चंदन चंदन आसियाना, डॉली
रानी, सोहेल सुल्तान, सोनी, पारस मनी, धरमवीर झा, आ सुष्मा झा। पवन मिश्राक
सिनेमेटोग्राफ़ी ठीक ठाक बुझना जा रहल अछि। 2015मे शुरु भेल एहि फ़िल्मक शूटिंग समस्तीपुर, मधुबनी, दरभंगा, सहरसा आदि जेहन प्रसिद्ध स्थान पर कएल गएल अछि ।
“राखी के लाज”क प्रमोशन टीजर जारी भs गेल अछि। प्रमोशन टीजर देखलाक बाद ई लगैत अछि
जे किछु तकनीकी कमी आ साउण्ड संबंधी त्रुटिके छोड़िकए ई फ़िल्म ठीक- ठाक अछि। अप्पन
भाषाक फ़िल्म रुपी लड्डू कतबो टेढ मेढ होउ, मनोरंजनक स्वाद मीठगरे होयत छैक।
“राखी के लाज” जल्दिये रीलीज होमय बला अछि। फ़िल्मक सफ़लताक
लेल शुभकामना आ फ़िल्मसं जुड़ल सबलोकिनकें अप्पन भाषा मैथिलीमे फ़िल्म बनेबाक लेल
हृदयसं धन्यवाद !

