Showing posts with label Rambahadur Renu (actor). Show all posts
Showing posts with label Rambahadur Renu (actor). Show all posts

Wednesday, May 9, 2012

Rambahadur Renu- Maithil Actor in Hindi Films & Serials


मूलत: सुपौल जिलाक कौशलीपट्टी, गंभरिया निवासी रामबहादुर रेणु आराम्भाही काल सँ रंगमंच पर सक्रिय रहलाह । बी.एन. मंडल विश्वविद्यालय, मधेपुरा सँ ड्रामाटिक्स में एमए केलाक बाद राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (NSD), नई दिल्ली सँ अभिनयक प्रशिक्षण ल' एखन मुंबई मे रहैत छथि आ हिन्दी, भोजपुरी फिल्मक अभिनेता रूप मे सक्रीय छथि । रंगमंच आ नाटक एखनो हुनक शोणित मे बसई छनि ।

मैथिलीभाषी रेणु जी थियेटरक प्रसिद्ध शख्सियत नसिरुद्दीन शाह, डी.आर. अंकुर, जॉन रशल ब्राउन (इंगलैंड), राम गोपाल बजाज,अनुराधा कपूर, बंशी कौल,रीता कोठारी,रॉबीन दास,रॉयस्टन एबेल,त्रिपुरारी शर्मा,लाल बहादुर यादव,कुणाल,अशोक बंठिया आदि के संग थियेटर केने छथि। रंगमंचीय अभिनय के अतिरिक्त, रेणु जी “पंच परिधि”, “दीना भद्री”, “जन्म्सॆ पहले”, “ज्योतिष का चमत्कार” आदि किछु फ़ुल लेंग्थ नाटकक सफ़ल निर्देशन सेहो केने छथि।

 रेणु जीक हिन्दी फ़िल्म में श्याम बेनेगल द्वारा निर्देशित आ प्रशंसित हिन्दी फ़िल्म " नेताजी सुभाष चन्द्र बोस", तिगमांग्सु धुलियाक फ़िल्म " हासिल",आ “चरस”,हनी ईरानीक “अरमान”, सुधिर मिश्राक  " हजारों ख्वाहिशें एसी", दिलीप शुक्लाक “हेलो, हम लल्लन बोल रहे हैं", बाल कृष्णक “ पिया तोसे नैना लागे ", रवि जैन द्वारा निर्देशित अंग्रेजी फ़िल्म “ फ़्रॉम सम व्हेयर टु नो व्हेयर “ आदि किछु लोकप्रिय नाम अछि जाहिमें हुनकर नीक अभिनय देखल जा सकैत अछि ।

रेणुजीक सीरियल में “सीआईडी” (सोनी टीवी),”कृष्ण अर्जुन” (स्टर प्लस), ”अग्निचक्र” (जीटीवी), ”कहता है दिल” (स्टार प्लस),”कभी बीवी कभी जासूस” (स्टार प्लस),”कदम्ब” (सहारा टीवी), “सोन-परी” (स्टार प्लस), “सीआईडी स्पेशल ब्यूरो” (सोनी), “रात होने को है”(सहारा), “साईं बाबा” (स्टार प्लस), “हम” (डीडी), “राजकुमार आर्यन”आ “मुम्बई लॉईयर” (एनडी टीवी), “स्वामीनारायण” (इमेजिन टीवी), “महावीर हनुमान” (कलर्स) आ “द्वारिकाधीश भगवान श्रीकृष्ण” (इमेजिन टीवी) आदि सफ़ल नाम अछि। इमेजिन टीवी पर सफ़लतापूर्वक प्रसारित भेल धार्मिक सीरियल “द्वारिकाधीश श्रीकृष्णा’ में रेणुजी द्वारा अभिनित सुदामाक भूमिका के बड्ड प्रशंसा भेटल।

रेणु जी ड्यूरो-बोर्ड प्लाई, द टाइम्स ऑफ़ इंडिया, लक्ष्मी सीमेंट, थम्स-अप,सॉलिड क्लाइमेक्स-वीटीवी प्रोमो, स्वाभिमान (बैंकक विज्ञापन) आदि किछु विद्यापन सेहो केने छथि।

हम सभ आस करैत छी जे जल्दिये ई मैथिलीपुत्र कोनो मैथिली सिनेमा मे देखल जेताह ।  
   

Friday, September 2, 2011

Actor Ram Bahadur Renu


सुपौल जिलाक कौशलीपट्टी निवासी रामबहादुर रेणु आराम्भाही काल सँ रंगमंच पर सक्रीय रहलाह...ए.एन. कॉलेज, पटना सँ स्नातक केलाक बाद..राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय सँ अभिनयक प्रशिक्षण ल' एखन मुंबई मे रहती छथि आ हिन्दी, भोजपुरी फिल्मक अभिनेता रूप मे सक्रीय छथि आ नाटक एखनो हुनक शोणित मे बसई छनि.. हिन्दी फ़िल्म " हासिल", "चरस", " नेताजी सुभाष चन्द्र बोस" " हजारों ख्वाहिशें एसी", " पिया तोसे नैना लागे " आदि में अभिनय ।.हम सभ आस करैत छी जे जल्दिये ई मैथिलीपुत्र कोनो मैथिली सिनेमा मे देखल जेताह.