कोनो फ़िल्मक निर्माणक पाछुमे कैकटा आदमीक सहयोग आ श्रम होयत
अछि। बॉलिवुडमे छोटका या बड़का पर्दाके पाछुमे काज केनिहार एहने मैथिलमे एकटा पैघ
नाम अछि कुणाल ठाकुर जेकि हिन्दी फिल्म आर टीवी जगतमे बहुत रास फ़िल्म आ सीरियलक प्रोडक्शन क’ चुकल छैथ।
मूल रुपसं मधुबनीक रहनिहार कुणाल जी सहायक प्रोडक्शन मैनेजरक
रुपमे प्रसिद्ध फ़िम निर्देशक हैरी बाबेजाक संग फ़िल्म लव स्टोरी 2050, राइजिंग
स्टार एन्टरटेनमेंट बैनर के अधीन बनल फ़िल्म “ अल्लाह के बन्दे”, “ दे ताली”क समस्त ग्राउन्ड वर्क, “ऑल द बेस्ट”,आदिमे
काज कएने छैथ। एहिके अतिरिक्त, कुणाल जी प्रोडक्शन नियंत्रक के रुपमे सेहो बहुत
रास काज कएने छैथ जाहिमे बीग डैडी प्रोडक्शनक शो फ़िल्म “तेरे मेरे फ़ेरे”, केतन
मेहता द्वारा निर्देशित “माझी द माउन्टेन मैन” , फ़िल्म “गुलमोहर” आदि शामिल अछि।
कुणाल जी फ़िल्म आ सीरियल के साथ साथ कैकटा एड फ़िल्ममे सेहो काज
केने छैथ ।
मैथिली फ़िल्ममे सेहो एहन मैथिल प्रतिभाक योगदानक अपेक्षा अछि।
ओना त’ कुणाल जी मुम्बईमे मिथिला-मैथिलीक संस्थासं जुड़ि काज कए रहला अछि, आशा अछि भविष्यमे
मैथिल फ़िल्मक निर्माणमे कुणाल जी पदार्पण करताह आ मिथिला- मैथिलीक पताका सगरो
फ़हरैता। मैथिली सिने दिससं कुणाल जीकें बहुत रास शुभकामना!

