मैथिली
फ़िल्म ओ रंगमंचक अभिनेता अनिल मिश्रा एकटा स्थापित नाम अछि। मूल रूप सँ सीतामढ़ी
जिला'क चोरौत गामक निवासी
अनिल मिश्रा भंगिमा (पटना), प्रतीक
(मधुबनी), मैलोरंग
(नई दिल्ली) सँ नाटक केने छथि आ क' रहल छथि | रंगमंच
सं एखनो जुड़ल अनिल जी कयकटा मैथिली फिल्म मे अभिनय केने छथि। अनिल मिश्रा के बारे में
मैलोरंगी प्रकाश झा जी खुलि कय कहैत छथि - " मुक्ति पर्व नाटक मे दिल्लीक लोक हिनका
साम्ब सन मजबूत चरित्र मे देखलन्हि अछि । मैलोरंग द्वारा प्रस्तुत नाटक
मुक्ति पर्व में दिनांक 29.08.2011 क'.
सुन्दर अभिनेता छथि." । "सिंदूरदान"
,"एक चुटकी
सिन्दूर" (मैथिली) मे मुख्य नायक आ "शादी बियाह"
(भोजपुरी) मे सहनायक'क
भूमिका'क संगहि हिन्दी
धारावाहिक "जिमी और जूते","चाचा चौधरी ",भाग ना बांचे कोय" आ मैथिली धारावाहिक
'नयन न तिरपित भेल', 'जंगला मंगला' आदि मे सशक्त अभिनय कयने छथि । राजसी मैथिली फ़िल्म
प्रोडक्शनके अधीन निर्मित, पं बलदेव झा
द्वारा प्रस्तुत आ किशोर नाठ जी द्वारा निर्देशित फ़िल्म “चट मंगनी पट बियाह “ आ “सिनेहिया”
हिनक आबय बल मैथिली फ़िल्म अछि।

