Showing posts with label Roshani Jha (actress). Show all posts
Showing posts with label Roshani Jha (actress). Show all posts

Thursday, January 12, 2012

नवोदिता अभिनेत्री रोशनी झा (– भास्कर झा ) (Actress Roshani Jha)


 ई छथि नवोदिता अभिनेत्री रोशनी झा , सुपरहिट मैथिली फ़िल्म “ मुखिया जी”क मुख्य नायिका । हिनकर अन्दर छुपल अभिनय क्षमता देखि कय विकास झा द्वारा निर्देशित फ़िल्म “ मुखिया जी” में रोशनी जी के अहम भूमिका देल गेल रहय । मुखिया जी में हिनकर अभिनय अति प्रशंसनीय अछि।

वर्तमान में, रोशनी जी जनकपुर , नेपाल में रहिकय अपन स्कूली शिक्षा ग्रहण कय रहल छथि। मुखिया जीके छोड़िकय, रोशनी जी एकटा मैथिली सीरियल, संभवत: “ अहां बिना कोना जीयब” में से हो नीक काज केने छथि। ई सीरियल सौभाग्य मिथिला तथा नेपाल 1 पर प्रसारित कयल गेल अछि। व्यक्तिगत तथा कार्यकुशलताक स्तर पर रोशनी जी पूर्ण क्षमता सं युक्त एकटा नीक आ सौम्य अभिनेत्रीक रुप में उभरि कय सामने औलिहअन।– भास्कर झा