Showing posts with label Rajshekhar (Lyricist). Show all posts
Showing posts with label Rajshekhar (Lyricist). Show all posts

Friday, December 16, 2011

बॉलीबुड में मिथिलाक लेखन शक्ति : राजशेखर


बॉलीबुड में अपन लेखनशक्तिक माध्यम सं अपन महत्वपूर्ण स्थान बना ब बला व्यक्तित्व राजशेखर मिथिलाक सपूत छथि। मधेपूराक एकटा किसान परिवार में हिनकर जन्म भेलनि आ कोशीक माटि फ़ांकि कय पैघ भेला दिल्ली विश्वविद्यालय के किरोड़ीमल कॉलेज (केएमसी) से हिंदी साहित्य में बीए और फिर एमए कर के उपरान्त नाट्य संस्था द प्लेयर्ससां अभिनेता और निर्देशक क रुप में जुरला। समयक क्रम में फ़िल्म लेखनक क्षेत्र में प्रवेश केलाह। बीच बीच में फ़िल्म में से हो छोट मोट भूमिका करैत गेळा जेना  फ़िल्म “अनवर “। “तन्नू वेड्स मन्नू” क कर्णप्रिय गीत लिख ला सं  हिनका अप्रत्याशित सफ़लता भेटलनि। सम्प्रति किछु फ़िल्मक स्क्रिप्ट आर गीत लिख में व्यस्त छथि। संगे अपन फ़िल्मअक निर्माण पर से हो कार्य कय रहल छथि।