Showing posts with label Maithili Serial. Show all posts
Showing posts with label Maithili Serial. Show all posts

Saturday, September 17, 2011

मैथिली धारावाहिक "स्वर्ग नै बिनु मुइने"


"स्वर्ग नै बिनु मुइने" मैथिली मे निर्मित आ अप्रदर्शित धारावाहिक अछि जकर निर्माण गंगा मूवीज लेल निर्माता बालकृष्ण झा आ निर्देशन युवा निर्देशक अमित अविचल द्वारा कैल गेल अछि....कलाकार मे अनिल मिश्रा, भाषा झा केन्द्रीय भूमिका मे छथि आ चंद्रमणि क शीर्षक गीत कें स्वर देने छथि नंदजी.....अद्यावधि अप्रदर्शित एहि धारावाहिकक प्रदर्शन शीघ्र होय से कामना.....

Tuesday, September 6, 2011

मैथिलीक पहिल धारावाहिक : "नयन न तिरपित भेल "


मैथिली'क चर्चित धारावाहिक "नयन न तिरपित भेल" जाकर करीब ८० कड़ी दूरदर्शन सँ प्रसारित भ' चुकल अछि...मिथिला दर्शन'क प्रस्तुति आ नचिकेता'क 'प्रत्यावर्तन' पर आधारित....निर्देशक : सोमनाथ गुप्त आ कुणाल...कलाकार-उत्पल झा, स्मृति, अनिल मिश्र ,रूपम,मोबनी सरकार,कुणाल,कुमार गगन,संजीव मिश्र ,मोना झा आदि.....