नवगठित मैथिली
फ़िल्म अकादमी, दरभंगाक तत्वावधानमें 2-3 मार्च 2013के दरभंगामें आयोजित प्रथम मैथिली फ़िल्म फ़ेस्टिवल के अवसर पर दुगोट मैथिली फ़िल्म- “चट मंगनी पट भेल बियाह” आ “ हमर सौतिन”क ऑडियो
(सीडी)क लोकार्पण कयल गेल। महोत्सवक पहिल दिन राजसी मैथिली फ़िल्म प्रोडकशनक अधीन
बनल पं. बलदेव ठाकुर द्वारा प्रस्तुत
फ़िल्म “चट मंगनी पट भेल बियाह” केर ऑडियो रीलिज कएल गेल । एहि अवसर पर फ़िल्मक
निर्देशक आ रंगकर्मी किशोरनाथ , संगीतकार व गायक पवन नारायण, फ़िल्मक पटकथा व संवाद
लेखक ऋषि वशिष्ठ, अभिनेता अनिल मिश्रा, आदि उपस्थित छलैथ । एहि फ़िल्मक ऑडियोमें 7टा गीत अछि जाहिमें अपन सुमधुर श्वर देने छैथ प्रसिद्ध गायक रामबाबू झा, पवन
नारायण, खुश्बू उत्तम, खुश्बू सिंह, ॠचा ठाकुर आदि।
मैथिली फ़िल्म
फ़ेस्टिवल के दोसर दिन पं. रतनदेव झा द्वारा प्रस्तुत फ़िल्म हमर सौतिन”क ऑडियो (सीडी) रीलिज कएल गेल
। एहि अवसर पर फ़िल्मक निर्माता संतोष कुमार झा, निर्देशक मनोज झा, संगीतकार व गायक
पवन नारायण, अभिनेता विजय मिश्रा उपस्थित छलैथ। सांई श्री फ़िल्म द्वारा प्रस्तुत एवं
विनोद साजन, नेहा, विजय मिश्रा, शुभ नारायण झा, निलेश दीपक ,अभिनीत एहि फ़िल्ममें कुल 11टा सुन्नर गीत अछि। गायक छैथ- रश्मी रानी, पवन नारायण, अंशुमाला,संजय झा, सोनी
झा, गीतिका, राधा पाण्डेय, पूजा झा आदि। उक्त दुनु फ़िल्मक गीत आ संगीत कर्णप्रिय
अछि।

