Showing posts with label Abhay Jha. Show all posts
Showing posts with label Abhay Jha. Show all posts

Monday, January 28, 2013

Dr. Abhay Jha: Maithil Doctor turned Maithil Actor


हिन्दी आ भोजपुरी फ़िल्ममें अप्पन अभिनय क्षमता देखनिहार , कयकटा भोजपुरी फ़िल्मक प्रोड्यूसर, आ सफ़ल, आकर्षक, सम्मोहक  मंच संचालक डॉ अभय झाक परिचयक कोनो आवश्यकता नहिं। डॉ अभय कुमार झा पेशा सं डॉक्टर आर शौक सं कलाकार छैथ। मूल रुप सं सहरसाक जिलाके अन्तर्गत बनगांव निवासी अजय जी कयकटा फ़िल्म बनौने छैथ। बड्ड नीक उदघोषक आ एंकर अभय जी उदित नारायण, अनूप जलोटा, शत्रुघ्न सिन्हा, बिनोद राठौड़क संग कयकटा स्टेज शो कय चुकल छैथ। अभय जी सन 1996में राज बब्बरक संग एकटा टेलिफ़िल्म (हिन्दी) सिसकती अरमान प्रोड्यूस केने रहैथ । प्रॉड्यूसरक रुप में हिनकर फ़िल्म अछि अंखिया बसल तोहरी सुरतिया” (कलाकार-  आकाश भारद्वाज, ईंद्राणी तालुकदार)।

अभय जी तुझको पुकारे’, ‘अपहरण’, “कब होई गवना हमार’, ‘कन्हैया’, भाय होखे त अईसन”, “बेटवा बाहुबली”, “ई रिश्ता अनमोल बा”, “दिवाना”,”जांबाज जिगर बाला”, “एक अदालत, “कब होई गवनवा हमार”, “ रमेश झा निर्देशित फ़िल्म “बड़का छोटका”, अंखिया बसल तोहरी सुरतिया”, “खेला”, सुत्तर शुक्ला आदि फ़िल्ममें अपन अभिनयक लोहा मनबा चुकल छैथ फ़िल्मके अतिरिक्त, सीरियलमें सेहो काज कय चुकल छैथ।


अभय जी अनिल कुमार झा केर निर्देशनमें बनय बला मैथिली फ़िल्म “ संस्कार”में खलनायकक भूमिकामें अवतरित भ रहल छैथ।