Showing posts with label Gaurav Jha (Actor). Show all posts
Showing posts with label Gaurav Jha (Actor). Show all posts

Wednesday, December 28, 2011

बहुमुखी प्रतिभा के धनी व्यक्ति गौरव झा- (भास्कर झा )






ई छथि बहुमुखी प्रतिभा के धनी व्यक्ति गौरव झा । छऊ नॄत्य, अभिनय आ माईम कला में पारंगत।  शुरु शुरु में  नई दिल्ली स्थित प्रतिभा सांस्कृतिक संस्थान सं गुरु श्री भूमिकेश्वर सिंह के सान्निध्य में रहिकय छऊ नॄत्य, अभिनय आ माईम कलाक शिक्षा ग्रहण केलनि। 

फ़ेर , गुरु श्री शशधर आचार्य के सान्निध्य में छऊ नृत्य तथा रिद्मक शिक्षा प्राप्त केलाह। पद्मश्री निरंजन गोस्वामी, वाइ सदानन्द सिंह, अवन्तिलाल पी चावला, मोईनुल हक, स्व मानिक मजुमदार, फ़्रांस के फ़्रेड्रिक हरेरा जेना विभिन्न स्गुरु सं सं माईम कला सिखलथि। संगीत कला अकादमी , दिल्ली में  एस विश्वजीत सिंह  सं मणिपुरी पारंपरिक मार्शल आर्ट आ ताईची सिखलाह । अहिके अलावा, दू बर्ष धरि, गंधर्व महाविद्यालय सं क्लासिकल वोकल  (हिन्दुस्तानी) सिखलाह ।
 कार्यक अनुभव

मुख्य अभिनेता के रुप में राजस्थानी फ़ीचर फ़िल्म “जय मां जोगनिया” में अभिनय ।

माइम कलाकारक रुप में दोसर ग्रेट इंडियन लाफ़्टर चैलेन्ज में भाग लेला। दूरदर्शन-1 पर प्रसारित श्रीमती कविता चौधुरी द्वारा निर्देशित टेलीफ़िल्म “बिजुका” में अभिनय । उज्जवल सिंह द्वारा निर्देशित टेलीफ़िल्म “ तु जहां मैं वहां” में अभिनय। उदय सिंह द्वारा निर्देशित म्यूजिकल शॉर्ट फ़िल्म “ बंदगी” में अभिनय। डीडी भारती लेल दीपक ओछानीक सीरियल “कालीदास” में अभिनय।
नीलम कैसेटक लेळ मैथिली विडियो अल्बम “जट-जटीन”, “उगना रे मोर”(विद्यापति के गीत), “पैजनिया” आदि में मुख्य कलाकारक रुप में कार्य केने छथि । इन्डिया टीवी लेल इन्डियाज मॉस्ट वॉन्टेड में मुख्य कलाकारक रुप में कार्य केलाह।
थियेटरक 12 वर्षक अनुभव सं युक्त गौरव जी देश विदेश में विभिन्न जगह पर अपन माइम कलाक प्रदर्शन केने छथि। भीजपुरीक अप्रसारित सीरियल “ विदेशिया” में हुनकर बेहतरीन अभिनय छनि। गौरव जी जल्दिये मैथिली फ़िल्म में से हो देखाई देता !!! रिपोर्ट- भास्कर झा