Showing posts with label Manoj Jha (Bollywood Director). Show all posts
Showing posts with label Manoj Jha (Bollywood Director). Show all posts

Sunday, July 22, 2012

Manoj Jha: A Maithil Director in Bollywood



ई छैथ बॉलिवुड में कार्यरत फ़िल्म निर्देशक मनोज झा जे महोदय कतेक रासे हिन्दी फ़िल्मक कहानी लिखअके संग - संग आर फ़िल्मक सहयोगी निर्देशकक भूमिका निभौने छैथ। मूलत: मिथिलांचलक हृदयस्थली दरभंगा के रहनिहार मनोज झा लगभग 20 साल सं बॉलिवुड में छैथ । टिग्मांशु धुलियाक मुख्य सहायक मनोज झा जीक फ़िल्म में "पान सिंह तोमर" , "बैंडिट क्वीन", फ़ायर"," चाहत", "गैंग", "चरस", "शागिर्द" आदि किछु नाम अछि। 

सम्प्रति मनोज जी एकटा हिन्दी फ़िल्मक पटकथा लिखि रहल छैथ। अहिसं पहिनेने मनोज झाजी जिम्मी शेरगिल अभिनित एकटा पंजाबी फ़ीचर फ़िल्म "धरती" के कहानी लिखने छैथ। मनोज जीके फ़िल्म आ टेलिवीजन प्रोडक्शनक बड्ड पैघ अनुभव छैन। प्रसिद्ध निर्देशक टिग्मांशु धुलियाक सहयोगी निर्देशक आर लेखकक रुप में कार्य करय सं पहिने मनोज जी कयकटा निर्देशक आर प्रोड्यूसरक संग विभिइन रुप में काज केने छैथ। 15 फ़ीचर फ़िल्म, 9 टा टेलिवीजन सीरीज आर किछु म्यूजिक विडियो, ढेर रासे विज्ञापण आर कॉरपोरेट फ़िल्म करबाक 17 बर्खक अनुभव छैनि मनोज जीके।

1993में शेखर कपूरक बहुचर्चित फ़िल्म “बैंडिट क्वीन”क संग फ़िल्मी दुनिया में प्रवेश करयबला मनोज जी बाजार में मूवी मैजिक जेहन मूवी मेनेजमेंन्ट सॉफ़्टवेयर के आबय सं पहिनेहि अहि सॉफ़्टव्येरके डिजायन आर टेक्स्ट तैयार केने छलाह । 1995में दीपा मेहता के मुख्य सहायकके रुप में हिन्दी फ़िल्म" फ़ायर' केने छलैथ। 1996में सहायक निर्देशकक भूमिका में गैरी सिनोर द्वारा निर्देशित आर सर पीटर यूस्टोनॉव अभिनित अंग्रेजी फ़ीचर फ़िल्म “ STIFF UPPER LIP” में सहयोग देने छलैथ। अहि साल प्रोडक्शन एक्सक्यूटिव के रुप में कार्य करैत सागरी छाबरा के निर्देशन में बनल पुरस्कृत हिन्दी फ़िल्म “चाहत” केलनि। 1997 सं 2000 धरि स्वर्गीय मजहर खानक फ़िल्म “गैंग” केर मुख्य सहायक निर्देशक रहैथ। मुदा मजहर खानक असामयिक निधनके बाद अहि फ़िल्म के निर्देशक-लेखक रुप में पूरा केने छलैथ। 1998में रोहिन्टन मिस्त्रीक उपन्यास पर आधारित स्टूरला गनर्सन द्वारा निर्देशित अंग्रेजी फ़ीचर फ़िल्म “SUCH A LONG JOURNEY”क भारतके दिस सं मुख्य सहायक रहैथ। 2002-03में टिग्मांशू धुलियाक मुख सहायक निर्देशक रुपमें “चरस” फ़िल्म में प्रशंसित निर्देशन सहयोग देने छलैथ।2006-2008अक मध्य फ़ेर सं टिग्मांशु धुलियाक एसोशियेट निर्देशकक रुपमें नाना पाटेकर अभिनित एकटा बड्ड नीक हिन्दी फ़िल्म “शागीर्द” केलनि। गोबिन्दा अभिनित फ़िल्म “शोमेन”अक सहायक निर्देशक आर संवाद लेखक छैथ। 2007- 2010क बीच में मनोज झाजी धुलिया निर्देशन में बनल चर्चित फ़िल्म” पान सिंह तोमर”क सहायक निर्देशक छ्लैथ।

टेलिविजन सिरियल के क्षेत्र में मनोज जीके बड्ड पैघ काज करबाक श्रेय प्राप्त छैन। भारत के तरफ़ सं मुख्य सहायक के रुपमें बीबीसी के लेल बनल टीवी सीरीज रोजर टकर तथा इन्द्रा बोस द्वारा निर्देशित “Bombay Blues”, मुख्य सहायक निर्देशक के रुप में सोनी पर प्रसारित सीरियल “थोड़ी सी बेवफ़ाई”, जी टीवी के लेल “ दायरा”, स्टर वन के लेल टेली फ़िल्म “वो सात दिन” आर “एक दूजे के लिए” आदि किछु नाम नाम अछि।
"पान सिंह तोमर"के सेट पर
सफ़ल निर्देशक होबय के संग-संग मनोज जी एकटा सफ़ल पटकथा आ संवाद लेखक सेहो छैथ। “सरफ़रोश” फ़िल्मक लेखक पथिक वत्स के संग मिलिकय अजय देवगन, सुनील सेट्टी आदि अभिनित आर हैरी बाबेजा द्वारा निर्देशित सुपर हीट फ़िल्म 'कयामत"क संबआद लिखने छैथ जेकि श्वयं में एकटा पैघ उपलब्धि मानल जायत अछि। पथिक वत्स के संगहि सत्य घटना पर आधारित फ़िल्म “ सायनायड”क स्क्रीनप्ले लिखबाक श्रेय प्राप्त छैनि मनोज जीके। सोनी पर प्रसारित टीवी सीरियल “हम तो है ना”क 70 एपिसोडक संवाद, दूरदर्शन के लेल” जासूस विजय” (2006), स्टार टीवी के लेळ “एक  चाभी है पड़ोस में” केर प्रारंभिक 70 एपीसोडक, सोनी सब पर प्रसारित टीवी सीरियल " मोहल्ला मोहब्बत बाला"(2008) के प्रारंभिक 20 एपिसोडक  पटकथा आ संवाद लिखने छैथ ।  " मोहल्ला मोहब्बत बाला" के प्रारंभिक 67 एपिसोडक निर्देशन सेहो केने छैथ।
बात करय के क्रम में आश्वासन देलनि कि मनोज जी मैथिली फ़िल्मक निर्माण में सेहो अपन कदम बढ़ौता।-------- भास्कर झा