अहि फिल्मक निर्देशक आ अभिनेता छथि किशोरनाथ. किशोर जी मूलत: मधुबनीक
छथि...... 7-8 साल पहिने तक मैथिली
रंगमंचक मानल अभिनेता मानल जाईत छलाह... हिनकर अभिनीत नाटक मे सबस' मुख्य अछि ओरिजनल काम। अहि नाटक मे कम्पनीक रूप मे अभिनय सर्वश्रेष्ट छल.... भगताक रूप मे देवनाथ यादव जी छथि जिनकर फोटो उपर
रामसेवक जीक संग लागल अछि..... 80क बाद मैथिली रंगमंच
के मधुबनी आ ओकर आस-पास क्षेत्र मे गति प्रदान केनिहार लोक सब मे प्रमुख व्यक्ति
छथि देवनाथ भाई, नीक अभिनेता, नीक लोक.... आर बहुत किछु...... बांकी राम सेवक जी के बारे मे बेसी कहब उचित
नहि ... ओ त' सर्व विदित छथि...
ओकर बाद अनील मिश्र, मैथिली फिल्मक युवा
अभिनेता ... अभिनयक दृष्टिकोण स बढियां काज केने छथि....... संगीत छनि - पवननारयण
जीक... बहुत मैथिली गायक के जीवन मे सुननए छी... परंतु पवन नारायण जीक लोकगायनक
एकटा अलग अन्दाज़ छन्हि..... अहि फिल्मक गीत आ संगीत दुनू प्रभावकारी छैक.... खास क' टाईटिल गीत...."चट मंगनी पत भेल वियाह.... आ की कहु बहिना..... संगहि
आईटम सांग सेहो ..नीक...." .................. परंतु अहि फिल्मक कथा, पटकथा, सम्वाद, प्रस्तुति केनिहार छथि प्रसिद्ध मैथिली युवा साहित्यकार आ मिथिला सृजनक
सम्पादक भाई ऋषि वशिष्ठ........। हुनकरे योजना आ सोचक प्रतिफलक नतीजा अछि ई
फिल्म............. ओना फिल्म बड सुन्दर बनल छैक..... कथा योजना मे समाज, आ परम्परा के नव कसौटी पर कसैत हास्यक पुटक सनग एकटा बहाव सेहो छैक ... तें सम्पूर्ण
परिवार के संगे देखल जा सकैत छैक...... । - पवन झा
First Portal of Maithili Films, Artists, Songs, Music, Theater and Entertainment मैथिली फ़िल्म, कलाकार, गीत- संगीत, रंगमंच आ मनोरंजनक पहिल मैथिली पोर्टल
Showing posts with label Chat Mangni Patt Bhel Biyah (film). Show all posts
Showing posts with label Chat Mangni Patt Bhel Biyah (film). Show all posts
Saturday, September 8, 2012
Monday, July 9, 2012
Chat Mangni Patt Bhel Biyah: Coming Maithili Film (report Bhaskar Jha)
राजसी मैथिली फिल्म प्रोडक्शन के अधीन बनि रहल पं. बलदेव ठाकुर दुवारा प्रस्तुत आ किशोर नाथ झा द्वारा निर्देशित मैथिली फिल्म "चट मंगनी पट भेल बियाह"क शूटिंग मधुबनी शहर सँ सटल गाम जितवारपुर, हरिनगर, अमादा एवं अन्य जगह में चलि रहल अछि। अहि फिल्म में अभिनेता अनिल मिश्रा, भाषा झा, चर्चित दूरदर्शन कलाकार आ उद्घोषक रामसेवक ठाकुर, बंदना झा, खुश्बु ठाकुर, किशोरनाथ ,सुजीत कुमार, देवनाथ यादव, मिथिलेश धर्नुवंशी, आशीष कुमार मंटु, मनिषा, काजल झा, खुशबु, प्रसिद्ध दूरदर्शन अभिनेत्री, रंगकर्मी आ गायिका कल्पना मिश्र, कलानंद झा एवं पवन ठाकुर जेहन कलाकार अभिनय क रहल छथि।फ़िल्मक निर्माता छैथि मनोज कुमार ठाकुर एंड कम्पनी, सह-निर्माता ऋषि बशिष्ठ जी छैथ। फ़िल्मक गीत जे सुधीर झा लिखने छैथ। ऋषि बशिष्ठ फ़िल्मके कथा,पटकथा आ संबाद लिखने छैथ। बहुत जल्दिये एकटा नीक फ़िल्म देखबाक अवसर भेटत।
फ़िल्म में संगीत दय रहल छैथ पवन नारायण जे कि मैथिली के एकटा आर आबय निर्देशक मनोज झा द्वारा निर्देशित फ़िल्म " खुरलुच्ची" में सेहो नीक संगीत देने छैथ। फ़िल्म में गीत गेनिहार गायक छैथ- राम बाबू झा,पवन नारायण, खुश्बू उत्तम सिंगर, खुश्बू सिंह आर ऋचा ठाकुर।- भास्कर झा
मैथिली फिल्म "चट मंगनी पट भेल बियाह"के एकटा दृष्य में अभिनेता अनिल मिश्रा आ भाषा झा।
![]() |
| अभिनेता अनिल मिश्रा |
Subscribe to:
Posts (Atom)





