मैथिली सिनेमाके इतिहासमें उत्कृष्ट कोटि के अभिनेता के नाम पर कहियो बात या चर्चा हेतई, त पहिल मैथिली सिनेमाक मेगा ब्लास्टर “ ससता जिनगी महग सेनुर” के नायक प्रिय आ मधुरभाषी ललितेश जीक नाम बड्ड सम्मान आ गर्व सं लेल जावत। ललितेश जीके ज्यों मैथिली फ़िल्मक पहिल स्टार कहल जाय, त अहिमें कोनो अतिशयोक्ति नहिं। ललितेश जी एहन कलाकार छैथ जे हिन्दी , अंग्रेजी ,मैथिली, भोजपुरी, मराठी, गुजराती फ़िल्म आ सीरियल में खूब काज केने छैथ। पहिल मेगा ब्लास्टर के नायक प्रिय आ मधुरभाषी ललितेश जी अपन नीजी जिनगी में सेही नायक छैथ। मिथिला के नवतुरिया लेल एकटा आदर्श पुरुष।
ललितेश जी एखन धरि चारिटा हिन्दी फ़िल्म में सेहो नीक अभिनय केने छैथ । ललितेश जी द्वारा अभिनित किछु फ़िल्मक नाम अछि- योगेश भारद्वाज निर्देशित फ़िल्म “शबनम मौसी”, राजीव मोहन निर्देशित फ़िल्म” बन्धु बॉक्सर”, राजीव रुईया निर्देशित “ गणेशा माय फ़्रेन्ड”, श्रेय श्रीवास्तव निर्देशित “इन्साफ़ द जस्टिस”, योगेश भारद्वाज निर्देशित “ सरगना” आदि। राजेन्द्र प्रसाद अभिनित एकटा अंग्रेजी फ़िल्म Residue “Where the Truth Lies” में सेहो काज केने छैथ।
मैथिली आ हिन्दी फ़िल्म आ सीरियल के अलावे, ललितेश जी भोजपुरी फ़िल्म इन्डस्ट्रीजक एकटा स्थापित अभिनेता में गिनल जायत छैथ । हुनकर भोजपुरी के किछु फ़िल्म अछि- “नाग देवता” (निर्देशक राम नारायण),” नैहर की चुनरी” (निर्देशन- हसमुख राजपूत),”हे तुलसी मैया” (निर्देशन- पद्मा खन्ना),” आम्गन की लक्ष्मी” (निर्देशन- तेजेस अखौरी),”लागल चुनरी में दाग” (निर्देशन- बी एल कश्यप), “गंगा ज्वाला” (निर्देशन- मोहन नागपाल), “गंगा तोहरे कारण” (निर्देशन- भगवान सिन्हा), “हमार घर हमार संसार “(निर्देशन- सतीश हेगड़े),”दुल्हन बानी मोर बहिनिया” (निर्देशन- प्रमोद भारद्वाज), “ माय्या आबाद रखिया सेनुरवा के” (निर्देशन- रवि भूषण आ रवि सिन्हा), “लाल चुनरिया बाली” (निर्देशन- संजीब टोनी ), “दुल्हिनिया लेके जायब हम” (निर्देशन- संजीब सिन्हा), “ होके तु रहबू हमार” (निर्देशन- गोपाल श्रीवास्तव) आदि।
ललितेश जीक अभिनय कौशलताक लाभ उठाबैत गुजराती निर्देशक हुनका सं किछु गुजराती फ़िल्म में काज करबौने छैथ जाहिमें राम नारायण द्वारा निर्देशित फ़िल्म ” नाग देवता”, माजिद खान निर्देशित “ मारी जायनु मामेरु”, सुशिल घोषक “ मारा देश नी धरती”, केशव राठौड़क “ चुनरीनी लाज“ आ “ समाज ना छोड़ू” महत्वपूर्ण नाम अछि। ललितेश जी द्वारा अभिनित एकमात्र मराठी फ़िल्म “ नाग देवता” अछि।
ललितेश जीक टेलिफ़िल्ममें किछु चर्चित नाम अहि- “ इनतकाम”, “मंजिल के रास्ते”, बेटी है वरदान” । ललितेश जी ढेर रासे टीवी सीरियल में भूमिका केने छैथ जाहिमें “त्याग”, “जाल”, “सुहाग”,”सुख दुख”,”एक और कुरुक्षेत्र”, “सिंघासन”, “बसेरा”,”अपनापन”, “अपने अपने सुरजमुखी”, “ अर्धांगिनी”, “आहट”,”तितलियां”, “खोज”, “इन्साफ़”, ‘कहीं दिया जले कहीं जिया”, “सबका मालिक एक है”, “ओ डार्लिंग ये है इंडिया’, “ थोड़ी सी जमीन थोड़ा आसमान”, ‘ घर पहुंचा द देबी मैया” आदि प्रमुख अछि।-BHASKAR JHA

