
"राजा
सल्हेस " मैथिलीक संभवतः पहिल टेलिफ़िल्म (भारतमें) अछि। एहि फ़िल्मक निर्माण 1992में
भेल छल। मैथिली फ़िल्म "पीरितिया " के निर्देशक दरभंगाके श्याम भास्कर एहि
फ़िल्मक निर्देशन केने छलैथ। फ़िल्ममें संगीत देने छलैथ प्रसिद्ध मैथिली गायक
श्री हरिनाथ झा। सपन मजुमदार (राजा सलहेसक भूमिका),बब्बू मिश्रा,महेन्द्र नारायण चौधरी,विपिन कुमार मिश्रा, नीलम सिंह, शारदा सिंह आदि
कलाकार अभिनय केने छलैथ। 2घंटाके एहि फ़िल्म निर्माण में कोलकाता स्थित
मैथिल उद्योगपति श्री शारदानन्द झा आर हुनक भाय श्री श्यामानन्द झा जीक
अमूल्य योगदान आर सहयोग छलैनि। निर्मान सं पूर्व श्याम भास्कर जी दरभंगा सं
कोलकाता आयल रहैथ शारदा बाबूक समक्ष फ़िल्मक प्रस्ताव लयके। शारदा बाबूक
अनुमोदन आर सहमति सं एहि फ़िल्मक शूटिंग प्रारंभ भेल। समय पर फ़िल्म तैयार भ
गेल। मुदा प्रदर्शन संबंधी समस्या सं ग्रसित होबय पड़ल फ़िल्मके। प्रारंभमें ए
फ़िल्म नेपाल टेलिवीजन के लेल बनावल गेल छल। बादमें नेपाल टीवी फ़िल्मक
प्रदर्शन करय सं मना कय देलक। फ़ेर, पटना, दिल्ली आदि टेलिवीजन सं सम्पर्क
कयल गेल मुदा ओहो सब फ़िल्मके टीवी पर देखाबसं मना कय देलक। आर दुर्भाग्यवश
एहन एतिहासिक फ़िल्म डिब्बामें बंद भ गेल सदाके लेल।----- भास्कर झा