Showing posts with label Pahun (Seriel). Show all posts
Showing posts with label Pahun (Seriel). Show all posts

Monday, November 2, 2015

Maithili Seriel 'Pahun' Telecasts From November 5, 2015


मिथिला समाजमे अनेकानेक कुरीति व्याप्त अछि जकरा मिथिलाक प्रगतिमे मुख्य बाधक तत्व मानल जायत अछि। दहेज प्रथा, बाल विवाह आदि कएक गोट फ़िल्म ओ सीरियलक विषय-वस्तु रहल अछि, मुदा ई पहिल बेर होयत जे कोनो सीरियलक कथा विधवा विवाह पर आधारित अछि।

जी हं! हम बात क’ रहल छी मैथिलीक सामाजिक ओ परिवारिक धारावाहिक ‘पाहुन’ केर! पद्म गुरु सिंह केर सफ़ल निर्देशनमे आ नीलम फिल्म्स केर बैनरक अन्तर्गत ‘पाहुन’ केर निर्माण कएल गेल अछि। राजीव मिश्रा आ सिद्धार्थ एहि धारावाहिकक सहायक निर्देशक, संगीत निर्देशन प्रसिद्ध गायक संगीतकार सुनील पवनक। प्रमुख कलाकार छैथ- कॄष्णा मिश्रा, शुभनारायण झा, कल्पना मिश्रा, सुधा झा, निलेश दीपक, निशा झा, कॄष्णा मिश्रा, राधाकान्त झा, संजय चौधरी, निखिल कुमार, संतोष झा सिंटू, राजीव मिश्रा अमित कुमार आदि।


‘पाहुन’ सीरियल 5 तारीख स प्रत्येक वॄहस्पति आ शुक्र दिन राति 8:30 9 बजे धरि डीडी बिहार पर प्रसारित होयत। हैप्पी वॉचिंग!