ई छथि मैथिली फ़िल्म मे सबसं बेसी खलनायकक अभिनय करय बला मैथिल कलाकार मंगलानन्द झा जे मूल रुप सं मधुबनी के मंगरौनी के रहनिहार छथि। मैथिली फ़िल्मक "आशीष विद्यार्थी" मंगलानन्द झा "गरीबक बेटी", "आऊ पिया हमर नगरी","सुहागिन", "कखन हरब दुख मोर", "सजना के अंगना में सोलह सिंगार", "दुलरुआ बाबू", "सपना भेल सुहाग" आदि फ़िल्म केने छथि। हिनका बारे में पूछला पर मैथिली फ़िल्म निर्देशक श्री मनोज झा कहलनि कि मंगलानन्द झा " भरपूर ऊर्जा सं भरल नीक कलाकार " छथि। " Report by Bhaskar Jha