![]() |
| "मायक कर्ज" |
ई छैथ छात्र नेता सह मैथिली
फ़िल्मक अनुभवी अभिनेता विजय मिश्रा । मूलत: मधुबनी
जिलाके बेनीपट्टी प्रखंडक अरेड़ गामक रहनिहार विजय मिश्रा के रंगमंच, नाटक आर सिनेमाके18-20
बर्खक अभिनयक अनुभव छैन। नेन्हपन सं ही हिनका अभिनय के शौक छलैन आर गाममें नाटक करैत
छलाह। समयक क्रममें विजय मिश्रा जी फ़िल्म निर्देशक मनोज झा के सम्पर्कमें एलैथ। मनोज
जी हिनकर अभिनय प्रतिभा देखिकए अपन निर्देशन में बनय बला मैथिली फ़िल्म “गरीबक बेटी”
में मुख्य खलनायक भूमिका करय के नीक अवसर देलखिन आर विजय जी वोहि भूमिकाके बड्ड
नीक जका निभौला। हिनकर अभिनय सं प्रभावित भए कए निर्देशक मनोज झा अपन सब मैथिली फ़िल्म
में खलनायक मुख्य भूमिका प्रदान केलखिन। विजय जी द्वारा अभिनीत फ़िल्म अछि- “सुहागिन”,
“हमर अप्पन गाम अप्पन लोक” (शीघ्र प्रदर्श्य), ”मायक कर्ज” आदि। हिनकर आब बला
फ़िल्म अछि ‘ खुरलुच्ची” । एखन धरि सर्वश्रेष्ठ भूमिका के बारेमें पूछला पर विजय जी
बतौला कि फ़िल्म ‘ खुरलुच्ची” में हमर यादगार आर सर्वश्रेष्ठ भूमिका छी जकरा हम बहुत दिन सं करैत चाहैत छलहुं।–
भास्कर झा
![]() | |||
| "हमर अप्पन गाम अप्पन लोक" |
![]() |
| "सुहागिन" |
![]() |
| "मायक कर्ज" |
![]() |
| "सुहागिन" |
![]() |
| "सुहागिन" |
![]() |
| "खुरलुच्ची"क सदस्यगण |






