Showing posts with label Govind Pathak. Show all posts
Showing posts with label Govind Pathak. Show all posts

Friday, August 9, 2013

Govind Pathak :One of the Greatest Actors of Mithila



गोविन्द पाठक जी किछु एहन मैथिल कलाकारमें सं छैथ जेकि दूर रहितो अपन मिथिला प्रेम ,मिथिला संस्कृति आ भाषाक सेवामें उल्लेख़नीय योगदान द रहल छैथ । हिन्दी, मैथिली आओर भोजपुरी सिनेमामें अपन पएर जमाबयमें सफ़ल भए अपन अभिनय यात्रा पर चलनिहार गोविन्द जी एकटा नीक, लोकप्रिय चरित्र  आ हास्य अभिनेता छैथ जेकि बहुत रास हिन्दी, मैथिली आ भोजपुरी फ़िल्ममें अभिनय केने छैथ आ एखनो कए रहल छैथ। संस्कृत, मैथिली, हिन्दी, बंगाली, भोजपुरीक नीक ज्ञान रखनिहार पाठक जीक संवाद अदायगी कमालके होयत अछि।

मूल रुपसं समस्तीपुर जिलाक करियन निवासी गोविन्द पाठक जी लगभग 15-16 वर्षसं हिन्दी आ मैथिली थियेटरसं सक्रियतापूर्वक जुड़ल छैथ । नीक उदघोषक आ अभिनेता गोविन्द पाठक जी दूरदर्शनके लेल मैथिली सीरियल "नैन न तिरपित भेल" लेल अभिनय केने छलैथ। हिन्दी सीरियलमें सोनी टीवीक “ लेडिज स्पेशल”, “ क्राइम पेट्रोल”, डीडी-1क “ सात वचन सात फ़ेरे”, जी टीवीक “ झांसी की रानी”, इमेजिन टीवीक “ लूटेरी दुल्हन’ लाइफ़ ओके चैनलक “ सावधान इन्डिया” आ “ मैं लक्ष्मी तेरे आंगन की आदिमें हिनक अभिनय प्रशंसनीय रहल अछि। स्टार प्लसक “ ग्रेट इण्डियन लाफ्टर चैलेंज-IV” आ महुआ चैनलक कॉमेडी शो “हँसीक अखाड़ा”मे हुनक प्रशंसित सहभागिता अविस्मरणीय अछि। “हँसीक अखाड़ा”मे ओ रनर-अप रहैथ। गोविन्द पाठक जी किछु एड सेहो केने छैथ जाहिमें भारत ससरकार द्वारा प्रसारित “ पब्लिक सर्विस”क एडमें चरित्र अभिनेता छलैथ। DHFL हाउसिंग फ़ायनेंसक लेल ओ एकटा सोलो एड केने छलैथ।

चरित्र अभिनेताक रुपमें गोविन्द पाठक जी रघुबीर यादव आ सौरभ शुक्ला जेहन माजल कलाकारक संग शुभ द्वारा निर्देशित हिन्दी फ़िल्म “ शकल पे मत जा”में नीक अभिनय केने छैथ। फ़ेर, गोल्डी बहलक रोज मूवी प्रोडक्शनक फ़िल्म  “ आई, मी और मैं”में पाठक जी जॉन अब्राह्म, चित्रांगदा सिंह आ प्राची देशाई संग चरित्र अभिनेताक रुपमें अपन भूमिका निभौने छलैथ। गोविन्द जी द्वारा अभिनित भोजपुरी फ़िल्ममें ‘ कानून हमरा मुट्ठी में”, सत्यमेव जयते”, “ राजा के रानी से प्यार हो गईल” आदि किछु नाम अछि।
किछु दिन पहिने प्रदर्शित ओम राजेश्वरी त्रिपुरसुन्दरी प्रोडक्शन हाउस प्रा लि बैनर मैथिली फ़िल्म " छुटत नहिं प्रेमक रंग" में खलनायकक भूमिकामें मैथिली सिनेमामें हुनक पदर्पण भेल अछि।


हिन्दी फ़िल्म जगतमें एकटा चर्चीत व्यक्ति गोविन्द पाठक जी 1 मई 2013 के सम्पन्न भेल सिँटा (एक्टर सबहक यूनियन) केर चुनावमे मुख्य चुनाव पदाधिकारी छलाह जेकि मिथिलाक लेल गर्वक बात थिक। हुनक मिथिला, मैथिली प्रेम आ योगदानक लेल हिनका मैथिली युवा परिषद , जमशेदपुर द्वारा “मिथिला विभूति”क उपाधि सं सम्मानित कएल गेल अछि।