मूल रुप सं झंझारपुर, मधुबनीके रहनिहार रूपक शरर बहुमुखी प्रतिभाके धनी कलाकार छथि। गाममें नाटक खेलबा सं लs कs मुम्बई धरि हिनकर अभिनयक यात्रा एकदम फ़राक अछि। मुजफ़्फ़रपुर
दूरदर्शन सं “ कम्पेयरिंगमें शुरुआत केलाक बाद रूपक जी जमशेदपुर इप्टामें सक्रिय
भेलैथ। राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय
(NSD), दिल्लीमें दाखिला नज्ञि भेलैन तs 2001में मंडी (हिमाचल प्रदेश) ड्रामा स्कूल चलि
गेलाह । ड्रामा स्कूल सं एलाक बाद दिल्लीमें “अंगना थियेटर” ग्रुपसं जुड़ि बर्खक बाद दिल्लीमें मैथिली नाटकक शुरुआत कएलनि
। श्री चंदन झा द्वारा निर्देशित नाटक “ जम्मपुत्र”में मुख्य भूमिका निभा अलग अलग
जागह पर खूब प्रशंसा पओलनि। एहि बीच मैथिली ऑर्केस्ट्रामें सक्रिय रहि लगभग सभ
ग्रुप आ कलाकार संगे उदघोषकके भूमिका निभौलनि। मैथिली आ भोजपुरीमें अभिनय कएल
हिनकर कयकटा अलबम बाजारमें उपलब्ध अछि, जाहिमें आमोद झाक “उगना रे मोर” आ रामबाबू
झाक “ पैजनिया” प्रमुख अछि।
दिल्ली सं मुम्बई पहुंचला पर बहुतेक रास हिन्दी आ भोजपुरी धारावाहिकमें अभिनय
केलाह जाहिमें “क्राईम पेट्रोल” , “सीआईडी”, “सावधान इंडिया” ,”वारिस”, ”काजल”, “कुमकुम”,’आपबीती’ ,
‘जिन्दगी के रंग” आदि प्रमुख अछि। श्री राकेश सिन्हा द्वारा निर्मित आ निर्देशित
धारावाहिक “ सजनवा बैरी हो गईले हमार”में “अमर”के भूमिका आ “स से सरसsती”में पोस्टमेन मोहनलालक
भूमिकामें खूब प्रशंसा पओलनि।
कलर्स चैनल पर आबि चुकल धारावहिक “माटी की बन्नो” आ महुआ पर “स से सरसsती”में रूपक जी ऎशोसियएट
क्रियेटिव हेड सेहो छलाह। हिनकर लिखल कतेक रास कविता- कहानी अलग अलग पत्रिकामें
प्रकाशित भ चुकल अछि। दूरदर्शन वास्ते “संकट मोचन हनुमान” आ “कभी तो मिल के सब
बोलो” धारावाहिक सेहो लिख चुकल छथि। सम्प्रति एकटा मैथिली फ़िल्मक कथा-पटकथा सेहो
तैयार केलाह अछि आओर दूरदर्शन पर आबS वला धारावाहिक “ दो लब्जों की दिल की कहानी” लिखबा में
व्यस्त छथि।
उम्मेद अछि बहुत जल्दी रूपक जी एकटा मैथिली फ़िल्ममें दमदार भूमिकामें सेहो
देखेताह। बहुमुखी प्रतिभाके धनी रूपक जीके बहुतेक रास शुभकामना !


