Showing posts with label Sagar Jha (actor). Show all posts
Showing posts with label Sagar Jha (actor). Show all posts

Wednesday, June 20, 2012

Sagar Jha: A Budding Talent of Acting Garden (Bhaskar Jha)



ई छथि मैथिल अभिनेता सागर झा जे हिन्दी फ़िल्म में अपन उफ़नैत अभिनय  के आरो बेशी ऊड़ान दय में लागल छथि। दिल्ली में थियेटर में लगभग तीन साल काज केलाके बाद फ़िल्मक मुख्य धारा सं जुड़ि गेला। मूलरुप सं मधुबनी जिलाक फ़ुलपरास के रहनिहार सागर जी जूम टीवी पर प्रशारित कार्यक्रम “राखी सावंत शो” के तीन एपिसोड , सीरियल “मेरे अराध्य देव शनिदेव” में तीन एपिसोड तथा सोनी पर प्रसारित सीरियल “मीत मिला दे रब्बा” के दू एपिसोड में में काज केने छथि ।

सागर जीके नीक नीक एड फ़िल्म करबाक अनुभव सेहो छनि। हुनकर एड में विजा कार्ड, मारुति सुजुकी, टाटा एस, सेन्ट्रल बैंक,पाकिस्तानी एड में बीपी डीप एन्ड लॉलिपॉप आदि किछु महत्वपूर्ण नाम अछि । जनवरी 2012 सं एखन धरि चलि रहल पल्स पोलियो अभियानक एड में लीड रोल केने छथि। अहि एड में सागर झा बिना कपड़ा के छाता लएके 3 साल के बेटीक संग देखायत छथि।


अन्ना हजारे जीक समर्थन में सागर जी दूटा शॉर्ट फ़िल्म बनेने छथि- “ भोलू का राशन कार्ड” आ “ अन्ना ने कहा भिखाड़ी बर्गर खायेगा”। ई दुनु शॉर्ट फ़िल्म यूट्यूब पर देखल जा सकैत अछि।
सागर झा के आबय बला हिन्दी फ़िल्म अछि – आमिर खान आ करीना कपूर अभिनित फ़िल्म “तलाश” आ रितेश देशमुख एवं तुषार कपूरक “क्या कूल हैं हम” । सागर जी अभिनय के संग संग लेखन सेहो करैत छथि। पूछला पर सागर जी कहलाह कि अपन पहिल मैथिल फ़िल्म “ आय रौ घुटरा, ई की केलहि” पर काज कय रहल छथि। अहि फ़िल्मक पटकथा तैयार भ गेल अछि ।- Bhaskar Jha