Showing posts with label Shyam Jha (Cinematographer). Show all posts
Showing posts with label Shyam Jha (Cinematographer). Show all posts

Monday, December 17, 2012

Shyam Jha : A Maithil Cinematographer in Bollywood



श्याम झा हिन्दी सीरियल आ सिनेमाक एकटा स्थापित सिनेमेटोग्राफ़र छैथ जे कतेक रास हिन्दी सीरियल के अपन सिनेमेटोग्राफ़ी कला सं नीक प्रस्तुती देने छैथ। मूल रुप सं जयनगरके दुल्लीपट्टीक रहनिहार श्याम जी कलकत्ता सं अपन पढाई लिखाई केलाके बाद दिल्ली चलि गेलथि आ ओहि ठाम सिनेमेटॊग्राफ़ीक कोर्स केलथि। किछु समयक बाद इन-हाउस प्रोडकशन हाउस केर स्थापना में अहम भूमिका निभौलथि । एहि प्रोडक्शन हाउसक नाम छल –श्रेया क्रियेशन्स। मुदा बाद में श्रेया क्रियेशन्सके छोड़ि स्वतंत्र सिनेमेटोग्राफ़र के रुप में काज करय लगलाह। जीटीवीक “पिया का घर”, स्टार वनक ‘शकुन्तला”, सोनी टीवीक “हम लड़कियां “, इमेजिन टीवीक “मीरा”, डीडी पर प्रसारित “हम” आदि किछु नाम अछि । एहिके अतिरिक्त , श्याम जी बहुत रास म्यूजिक विडियो आर डॉक्यूमेन्टरीक सिनेमेटोग्राफ़र रहि चुकल छैथ। 2013 में रीलिज होमय बला हिन्दी फ़िल्म “क्लब 60” क फ़ोटोग्राफ़ी निर्देशक छैथ। रीलिज भेल फ़िल्म “लाहौर”, ‘आर्यन”, “आऊट ऑफ़ कन्ट्रॉल” आदिक केमरामेन रहि चुकल छैथ। सिनेमेटोग्राफ़र के रुप में हिनकर आबय बला दूटा फ़िल्म आर एकटा सीरियल अछि। मुम्बई प्रस्थान करयसं पूर्व श्याम जी मैथिलीक पहिल एतिहासिक लघु फ़िल्म “ राजा सलहेस”क प्रोड्यूसर सेहो रहि चुकल छैथ जे किछु कारणवश प्रसारित नहिं भ सकल छल।