Showing posts with label Basant Sinha (actor). Show all posts
Showing posts with label Basant Sinha (actor). Show all posts

Wednesday, August 1, 2012

Actor Basant Sinha : An Emerging Actor in Hindi Films (Bhaskar Jha)


मूल रुप सं मधबुबनी के कोतवाली चौक के रहनिहार बंसंत  सिन्हा जी हिन्दी फ़िल्म जगतमें एकटा उभरैत बड्ड नीक कलाकार छैथ। अभिनय के संग-संग  बसंत जी के लेखन करय के अहम शौक छैन। सम्प्रति , वो दूटा हिन्दी फ़िल्म आर टीवी सिरियल के लेल किछु लेख़न कय रहल छैथ। दिल्ली के श्रीराम सेंटर सं संबंध राखय बला बसंत सिन्हा जीक पहिल ब्रेक भेटल रहनि कल्पना लाजिमी द्वारा निर्देशित फ़िल्म “ चिनगारी (2006) में। तकरा बाद बसंत जीके कयकटा फ़िल्म केलनि जाहि में किछु नाम अछि- “ आहिस्ता-आहिस्ता”, “ बिल्लू बार्बर” (2009), मेरे बाप पहले आप” (2008), “जब वी मेट” (2007), “फ़ंस गये ओबामा”, “जॉली एलएलबी” आदि।

बसंत जी फ़िल्म में काज करय सं पहिने कयकटा टीवी सिरीयलमें अभिनय केने छलैथि, मुदा एकता कपूरक चर्चित धारावाहिक “सास  भी कभी बहू थी” एवं ‘दहेज” में महत्वपूर्ण पैरालल भूमिका केने रहैथ।

बसंत सिन्हा जी द्वारा कयल गेल विज्ञापण में HP-Racer Engine Oil उल्लेखनीय अछि जाहिमें वो क्रिकेटर जहीर खान के संग काज केने छलैथ। गप-शपके क्रम में बतौलनि कि मैथिली फ़िल्म में काज करय के अवसर भेटत त निश्चित रुपेण काज करब आ ई हमर अपन मात्रॄभूमि के प्रति एकटा आभार मात्र होयत।- भास्कर झा