Showing posts with label Amiyakar Prakash (actor). Show all posts
Showing posts with label Amiyakar Prakash (actor). Show all posts

Tuesday, May 1, 2012

Amiyakar Prakash: A Multitalented Maithil Actor


ई छथि उभरैत युवा आ बहुमुखी कलाकार अमीयकर प्रकाश । क्रिकेट, नॄत्य, गायन, अभिनय आदि में समान रुप सं निपुण अमीयकर प्रकाश अनुपम खेरक स्कूल ऑफ़ एक्टिंग में फ़ूल टाईम कोर्स केने छथि आ अभिनय, नॄत्य, योगा आ मार्सल आर्टस में प्रशिक्षित छथि ।

मूलत: मधुबनी जिला के रहनिहार प्रकाश जी चैनल वी पर प्रसारित रेड चिलीज एन्टरटेनमेंटक शो “ ये परिन्दे” एवं दूरदर्शन पर प्रसारित मेगा मैथिली सीरियल “ नयन ने तिरपित भेल” में सबटा 52 एपिसोड में महत्वपूर्ण भूमिका केने छथि । अहि सीरियल में दर्शक द्वारा अति प्रशंसित पात्र प्रांजल के के बिसरि सकैत अछि ? 
मैथिली भाषा में अरिपन के लेल प्रकाश जी 10 टा नाटक केने छथि। संक्षिप्तत: , अमीयकर प्रकाश जी  हिन्दी, अंग्रेजी, आ मैथिली में कुल 16 टा नाटक में भाग लेने छथि। आकाशवाणी भागलपुर के लेल पोलियो उन्मूलन कार्यक्रम में सेहो काज केने छथि। शेक्सपीयरक दूटा अंग्रेजी नाटक “मैकबेथ” आ “जूलियस सीजर” में कॆन्द्रीय भूमिका केने छथि। हिन्दी नाटक “हरिश्चन्द्र” में हिनका द्वारा निभावल गेल विश्वामित्रक भूमिका के बड्ड प्रशंसा कायल जाईत अछि। विश्वामित्रक भूमिका के लेल प्रकाश जी के सर्वोत्तम अभिनेताक पुरस्कार सेहो भेटल छनि ।
 “आग धड़क रहा है” के लेल पागल नं 22 के मीडिया द्वारा बड्ड प्रशंसा कायल गेल छल। एतिहासिक नाटक “ मिनाक्षी” में बल्लाल सेनक गुरु चंडीचरणक भूमिका के खूब तारीफ़ एखनो कायल जायत अछि ।
अमीयकर प्रकाश जी एखन संजीब बलाट द्वारा निर्देशित हिन्दी फ़िल्म “ सिक्स डेज” आ कुमार अमृत श्रीकान्त (NSD) द्वारा निर्देशित हिन्दी फ़िल्म “ यू बिन्नी द बिच “ में मुख्य भूमिका क रहल छथि । “बाबा के दलान“ प्रोडक्सन बैनर के तहत निर्माणाधीन भोजपुरी फ़िल्म “ कोठा”, जेकर निर्देशन मनोज श्रीपति झा कय रहल छथि, में दोसर मुख्य भूमिका निभा रहल छथि । सालासर प्रोडक्सन बैनर के अधीन एकटा आर भोजपुरी फ़िल्म “दिग्गज” में सेहो प्रमुख भूमिका कय रहल छथि । 3S  ईन्टरटेनमेंट बैनरक भोजपुरी फ़िल्म “ सजन के घर जाना है” में मुख्य भूमिका सेहो छनि। अभिनय के अतिरिक्त, अमीयकर प्रकाश जी गायकक रुप में एखन सोलो भोजपुरी एलबम पर काज कय रहल छथि जाहि में संगीत दय रहल छथि चन्द्रभान उपाध्याय उर्फ़ छोटे बाबा ।
राष्ट्रीय स्तर पर कयकटा नॄत्य आ गायन प्रतियोगिता में बहुत राशे पुरस्कार जीतने छथि आ बिहार राज्य क्रिकेट टीमक प्रतिनिधित्व सेहो केने छथि ।
 









अमीयकर प्रकाश जी जल्दिये कोनो मैथिली फ़िल्म में सेहो अपन नीक अभिनय के संग देखाई देताह ।