Showing posts with label Half Murder (film). Show all posts
Showing posts with label Half Murder (film). Show all posts

Saturday, November 23, 2013

Maithili Film "Half Murder": A Murder Mystery


हाफ़ मर्डर: सत्य घटना पर आधारित एकटा एक्स्पेरिमेन्टल फ़िल्म


सामान्यत:  मैथिली फ़िल्म सामाजिक ओ परिवारिक व्यवस्था पर आधारित होयत अछि । समाजक मुख्य विषय वस्तुके धेयानमे राखल जायत अछि। जाति-पाति, दहेज प्रथा आदि पर कतेक रास फ़िल्मक निर्माण भ' चुकल अछि। मुदा श्री रमानाथ झा एकटा एहन एक्स्पेरिमेन्टल फ़िल्म ल' कय आबि रहल छैथ जेकि सत्य घटना पर आधारित अछि। एखन धरि बनल मैथिली फ़िल्मक कथा-वस्तुसं पूर्णत: फ़राक विषय-वस्तु पर बनल एकटा रोमांचक मर्डर मिस्ट्री ! 

साईचरण इन्टरटेनमेन्टक बैनरक अधीन बनल मैथिली फ़िल्म " हाफ़ मर्डर" केर निर्माता- निर्देशक छैथ युवा रंगकर्मी श्री रमानाथ झा । कृष्णा मिश्रा, निशा झा, नवीन चौधरी, आरएन झा आदि अभिनित एहि फ़िल्ममें संगीत द' रहल छैथ नामी गायक संगीतकार सुनील पवन ।

"हाफ़ मर्डर" संभवत: 2014मे रीलीज भ' जायत । उम्मेद अछि जेकि ई फ़िल्म मैथिली सिनेमाक इतिहासमे एकटा 'ऑफ़बीट" फ़िल्मक परम्पराक नींव राखत ! फ़िल्मसं जुड़ल  सब व्यक्तिके शुभकामना दैत फ़िल्मक सफ़लताक कामना !