Showing posts with label Vikash Jha (Director). Show all posts
Showing posts with label Vikash Jha (Director). Show all posts

Saturday, September 17, 2011

Young Film Director: Vikas Jha

युवा  फिल्म निर्देशक विकाश झा

फिल्म निर्देशन'क क्षेत्र मे एकटा मैथिल युवा निर्देशकक अवतरण भेल अछि जिनकर नाम छैन विकाश झा । विकास झा मूल रूप सँ दरभंगा जिला'क कबिलपुर निवासी विकास फिल्म मेकिंग मे विधिवत प्रशिक्षित भेला'क बाद सर्वप्रथम अपन मातृभाषा मैथिली मे "मुखियाजी" नामक फिल्म सँ अपन सिनेयात्रा'क आरम्भ केलनि अछि आ एकटा नव सोच ल'क' आगन बढ़य चाहैत छथि । 
2009में विकास जी अपन निर्देशन पारीक प्रारम्भ मुम्बई सं करैत सोनी चैनल के लेल टीवी सीरियलक टीम में स्थान पाबैत डुंगरपुर प्रोडकशन हाऊस में शामिल भेला। अहि टीमक अगुआ प्रसिद्ध निर्देशक ललित मराठे छलैथ जेकि 2011 में प्रदर्शित हिन्दी फ़िल्म “शबरी” सं निर्देशकक रुप में चर्चित भेल छलैथ। अहिके बाद विकास जी हिन्दी फ़िल्म “ट्रनिंग 30”क टीममें सहायकक रुप मे प्रकाश झा प्रोडकशन्स में शामिल भेल छलैथ। हिनके सबके संग काज करैत प्राप्त अनुभवक प्रतिफ़ल छल मैथिली फ़िल्म “मुखियाजी”क सफ़ल निर्देशन।