Showing posts with label Amitesh Shah. Show all posts
Showing posts with label Amitesh Shah. Show all posts

Saturday, October 13, 2012

Amitesh Shah : A Multi-talented Maithil Personality of Films



मैथिली लघु फ़िल्मके माध्यमसं मैथिलीके सेवा केनिहारमें अरविन्द कुमार सिन्हा आ पुर्णेन्दु कुमार झाके संग संग अमितेश शाहक नाम बड्ड सम्मानके साथ लेल जायत अछि। मूल रुपसं नेपालके जनकपुरधाम, धनुषा के निवासी अमितेश जी विलक्षण प्रतिभाक धनी व्यक्ति छैथ। ओ एक संगहि एकटा नीक अभिनेता, निर्देशक आर लेखक छैथ । हुनक निर्देशनमें नेपाली आ मैथिलीमें बहुत रासे लघु फ़िल्मक निर्माण भेल अछि जाहिमें “कमला” सबसं बेसी चर्चित अछि। ई फ़िल्म HIV तथा लिंग भेदभाव पर आधारित अछि।एहि फ़िल्मके 2008 में सर्वश्रेष्ठ फ़िल्मके रुपमें नामिल कायल गेल छल। 
अमितेश जी दूरदर्शन पर प्रसारित सीरियल ‘ शिवाजी”में सहायक अभिनेता रहैथ। अरुण कुमार झाके संग नेपाल टीवीक मैथिली सीरियल ‘विद्यापति” आर सुभाष गुजरेलक संग ‘भागिरथी” ,सुनील पोखरेलके संग “मिथिला’ आदिमें मुख्य भूमिका निभऔने छलैथ। अमितेश जी एकटा विडियो फ़िल्म सेहो केने छलैथ जकर नाम छल “मीत हमर”। 1999 में आयोजित जनकपुर फ़िल्म फ़ेस्टिवलमें अमितेश जीके सर्वश्रेष्ठ सहायक अभिनेताक पुरस्कार भेटल छलैन।

अमितेश जी अलप्पा यूनिवर्सिटी, चेन्नई सं मास कम्यूनिकेशनमें एमए , एशियन एकेडमी ऑफ़ फ़िल्म एंड टेलीविजन (भारत) सं फ़िल्म मेकिंग में डिप्लोमा केने छैथ। अमितेश जी थियेटर सं जुरल लोक छैथ। “अस्मिता” थियेटर, नई दिल्ली सं रंगमंचीय अभिनय में प्रशिक्षण प्राप्त केने छैथ। मैथिली थियेटरक क्षेत्रमें योगदानके लेल हिनका 2006में “आकृति” पुरस्कार सेहो भेटल छलैन। मैथिली फ़िल्म निर्माणमें अमूल्य योगदानक लेल 2006में आयोजित जनकपुर मिथिला फ़िल्म फ़ेस्टिवलमें हिनका सम्मानित कायल गेल छल।

नाट्य ओ सांस्कृतिक संस्था “ आकृति”के संरक्षक आ आर्ट नेपाल “आर्ट फ़ॉर ट्रांसफ़ॉर्मेशन” (NGO) केर सचिव अमितेश जी द्वारा लिखित आ निर्देशित किछु डॉक्युमेन्टरीक नाम अछि- नारी सशक्तीकरण पर आधारित “सक्षम महिला असल नेता’(2001), ‘परिणाम” (2002),”पशुपालन हमरो जीवन आधार”(2002),” नेत्र ज्योति संघक संग लघु फ़िल्म “ईजोत-द लाईट ” (2006) (मोतियाबिन्द पर आधारित), नागरिकता अधिकार पर आधारित “ स्ट्रगल फ़ॉर आइडेन्टिफ़िकेशन”(2007), अनौपचारिक शिक्षा पर आधारित “हमहुं पढब” (2007), एचआईवी आ नारी भेदभावक समस्या पर आधारित चर्चित लघु फ़िल्म ‘कमला’(2008) जेकि सर्वश्रेष्ठ फ़िल्मके रुपमें नामित भेळ छल, हिन्दी, अंग्रेजी, मैथिली, नेपालीमें बनल मिथिला परिभ्रमण पर आधारित “महायात्रा’ (2010),”तारा’ आदि ।

संक्षिप्तत: मिथिला पुत्र अमितेश जी मैथिली आ नेपाली सिनेमाक एकटा जानल पहिचानल नायक,निर्देशक आ पटकथा लेखक छैथ। आशा अछि कि ओ जल्दिये फ़ुल-फ़्लेज्ड मैथिली फ़िल्मक निर्माण करताह।
"कमला"क शूटिंग पूर्व मार्गदर्शन
"तारा"क शूटिंगक दृष्य