ई छथि मैथिल सपूत रवि एच कश्यप जी। रवि कश्यप हिन्दी आ भोजपुरी सिनेमाक चर्चित निर्देशक छथि । दरभंगा जिलाक कलिगांवक मूल निवासी रवि कश्यप (झा) कटिहार सं ग्रेजुएशन केला के बाद आई सं 22 बर्ष पहिले हिन्दी फ़िल्म में अभिनेता बनबाक लालसा लय के मुम्बई आयल रहथि।
कतेको अथक प्रयासो केला के बाद हिनका अभिनेताक रुप में सफ़लता नहिं भेटलनि। बम्बई सं मुम्बई तक सफ़र कर में बड दिक्कतक सामना कर पड़लनि। समय के क्रम में हिनका “झा” स कश्यप गोत्र लगा परलनि मुदा अहि क्रम में अपना आप आप के हिन्दी फ़िल्म इन्डस्ट्रीज में स्थापित करैत करीब 150 सं अधिक टीवी सीरियल केलथि। यूके लेल किछु फ़िल्म से हो बनैलनि जाहि में “घर अपना परदेश”, “हिरण्या कश्यप”, “कृष्ण सुदामा” आदि महतुवपूर्ण नाम अछि। रवि कश्यप जी अन्तत: फ़िल्म निर्देशनक क्षेत्र में डेग बढबैत सबसे पहिने शाहरुख खान, सलमान खान, माधुरी दीक्षित, एश्वर्या राय अभिनित फ़िल्म “हम तुम्हारे हैं सनम” सं बतौर सहायक निर्देशकक रुप में जुड़ि गेला । रवि कश्यप जी भोजपुरी सिनेमा के चर्चित निर्देशकक रुप में जानल जायत छथि। अपन पहिल भोजपुरी फ़िल्म “बी ए पास बहुरिया” क निर्देशनक संग भोजपुरी फ़िल्म निर्माणक क्षेत्र में कदम रखने रहैत।
हुनकर सफ़ल निर्देशन में निर्मित हुनक दोसर भोजपुरी फ़िल्म “राजाजी” प्रदर्शन के लेल तैयार अछि जे जनवरी 2012 में पर्दा पर उतरत । रवि कश्यप जी एखन 2-3 आओर फ़िल्मक निर्माणक परियोजना पर गंभीरता सं कार्य कय रहल छथि। जनवरी 2009 में चीन सरकार के निमंत्रण पर चीन गेल रहथि आ भारत-चीन सांस्कृतिक कार्यक्रम में भाग लकअ मिथिलाक नाम दर्ज करबेने रहथि। कलाप्रेमी आ फ़िल्म निर्देशक रवि कश्यप जी के भोजपुरी के शेकसपियर मान जाय बला भिखारी ठाकुरअक स्मृति में आयोजित सम्मान समारोह 2011 में भोजपुरी कला आ संस्कृति में विशिष्ट योगदान के लेल भिखारी ठाकुर सम्मान सं नवाजल गेल।


