Showing posts with label Anurita Jha (actress). Show all posts
Showing posts with label Anurita Jha (actress). Show all posts

Monday, August 20, 2012

Anurita Jha : Advent of One More Maithil Actress in Hindi Films (Bhaskar Jha)


अनुरिता झा
हिन्दी फ़िल्म में कावेरी झा, सोनल झा, श्रीति झा आर श्रेया झा के बाद एकटा आर सुन्दर व सौम्य मैथिल अभिनेत्रीक अवतरण भेल अछि जिनकर नाम छैन- अनुरिता झा। साहित्यकार परिवार सं संबंध राखय बाली आर भारतक नामी –गिरामी मॉडल में शुमार अनुरिता मूलरुप सं मधुबनी जिलाक ढेंगहा हरिपुरक (बख्सी टोला) निवासी छैथ। प्रख्यात साहित्यकार एवं मुख्य अभियंता उपेन्द्र नाथ झा “व्यास” केर पौत्री आर मैथिल अर्थशास्त्री शैलेन्द्र कुमार झाक सुपुत्री अनुरिता BITS पिलानी विद्यापीठ सं मैट्रिक आ पटना विश्वविद्यालय सं विज्ञान में अन्तरस्नातक केलाके बाद नेशनल इन्स्टिच्यूट ऑफ़ फ़ैशन डिजायनिंग, दिल्ली में नामांकन लय लेली, कारण हिनका बाल्यकाळ सं ही मॉडलिंग के बड्ड शौख रहनि। दिल्लीमें रहैत अनुरिता V चैनल पर प्रसारित कार्यक्रम “Get Gorgeous”(2006) केर विजेता बनलीह। 2007-08 के बाद अनुरिता मुम्बई शिफ़्ट कय गेली आर अभिनय कोर्सक समाप्ति केर उपरान्त हिन्दी फ़िल्ममें अपन भाग्य अजमाबके अवसर खोजय लगली। एकटा लघु फ़िल्ममें अभिनय सं अपन अभिनय कैरियरक शुभारंभ केने छलैथ। मुदा अनुरिता झाके अनुराग कश्यपक चर्चित फ़िल्म “गैंग्स ऑफ़ वासेपुर” सं वास्तविक सफ़लता भेटलनि आर बेसी चर्चित भेली। अहि फ़िल्म में हिनकर अभिनय अति प्रशंसनीय अछि। अनुरिता कयकटा प्रोडक्ट्स के ब्रांड अम्बेसडर सेहो छैथ। वर्तमानमें किछु प्रोजेक्ट पर हिनकर संग बातचीत चलि रहल अछि।-भास्कर झा