Showing posts with label Shubhnarayan Jha (actor). Show all posts
Showing posts with label Shubhnarayan Jha (actor). Show all posts

Sunday, June 23, 2013

Maithili Films "Damru Ustad" and "Ghar Angan" : Shooting To Start Shortly



“घर आंगन” में “डमरु उस्ताद” क शूटिंग



परिवारिक फ़िल्म “सिन्दुरदान”क बाद आब निर्देशक अनूप कुमार लयकए आबि रहल छैथ अपन अगिला मैथिली फ़िल्म “ डमरु उस्ताद”। अनूप जी डीडी 1सं 21 बर्खसं जुड़ल स्थापित लेख़क आ निर्देशक छैथ। सम्प्रति ओ P7 NEWS दिल्ली एनसीआर आ मध्य प्रदेश केर प्रोग्राम हेड छैथ।  प्रसिद्ध रंगकर्मी आ मैथिली फ़िल्मक सफ़ल ओ स्थापित अभिनेता अनिल मिश्रा, शुभनारायण झा, कल्पना मिश्रा, विजय मिश्रा आ अभिनेत्री नेहा श्री अभिनित एहि फ़िल्ममें संगीत दय रहल छैथ लोकप्रिय गायक आ संगीतकार पवन नारायण । फ़िल्मक शूटिंग जुलाई सं प्रारंभ होमय जा रहल अछि। किछु दिन पहिनेहि एहि फ़िल्मक गीत पर काज सम्पन्न भेल। फ़िल्मक स्क्रिप्ट, कास्टिंग एवं शूटिंग लोकेशन फ़ाइनल भ गेल अछि।



दोसर दिस एकटा आओर मैथिली फ़िल्म “ घर आंगन”क निर्माणक समाद आयल अछि।  “ गरीबक बेटी”, “मायक कर्ज”, “सुहागिन” , “हमर अप्पन गाम अप्पन लोक”, “खुरलुच्ची”, “हमर सौतीन” आदि सहित ताबरतोर कयकटा मैथिली फ़िल्मक निर्देशन केनिहार जमीनी युवा निर्देशक मनोज झाक निर्देशनमें बनयबला एहि फ़िल्मक शूटिंग लगभग जुलाइ सं प्रारंभ होयत।

Tuesday, May 15, 2012

Shubh Narayan Jha: A great Actor from Stage to Centre Stage



ई छथि रंगमंचक, मैथिली फ़िल्म आ सीरियलक प्रसिद्ध अभिनेता शुभ नारायण झा । शुभ नारायण जी कयकटा मैथिली फ़िल्म आ सीरियल में बड्ड नीक अभिनय केने छथि। हुनकर आब बला मैथिली फ़िल्म “खुरलुच्ची" जल्दिये रीलिज होमय बला अहि।
जखन शुभ नारायन जी 13 साल के रहैथ, 1975 में द टेल ऑफ़ एंटोनियो नाटक में शायलॉक के चरित्र सं स्कूल में  रंगमंच सं जूड़ि गेलाह । तकरा बाद  गमैया नाटक आ स्कूल कॉलेज करैत 1986 तक सैकड़ो नाटक केलैथि। मुदा पटना यूनिवर्सिटी सं पीजी केलाके बाद 1988 तक दिल्ली के थियेटर भावना कला मंदिर सं काज करैत रहलाह आ तकरा बाद 18 साल धरि किछु महत्वपूर्ण काज नहीं कएलथि। मुदा 2004 में एकटा मित्र के सहयोग दए एक घंटाक एकटा साधारण मैथिली सीसी फ़िल्म “ हम नहिं जायब पिया के गाम”क निर्माण केलाह। मित्रक, विशेषकर डॉ सुरेन्द्र झा आर अपन पत्नीक प्रोत्साहन सं शुभ नारायण जी एकटा नांगर ब्रजबंशी कक्काक चरित्र निभौला। हुनअकर अभिनय सं प्रभावित भए निर्देशक अनूप जी अपन मैथिली फ़िल्म “ सिन्दुरदान” में शुभ जी के बुद्धु बाबूक भूमिका देलनि। मुदा दुर्भाग्यवश निर्माता आर निर्देशकक बीच किछु मतभेदक कारण “सिन्दुरदान” नहिं चलल। अनूप जी अपन साक्षात्कार में एकमात्र शुभ नारायण जी द्वारा निभावल गेल भूमिका के बड्ड प्रशंसा केने छलाह। 

अपन घनिष्टतम मित्र के आग्रह पर शुभ जी प्रसिद्ध गायक मनोज तिवारी के गीतक एकटा एलबम “अलबेला दूल्हा” केलनि मुदा तकरा बाद अलबम करए सं मुं मोड़ि लेलाह। शुभ जी डीडी 1 पर टेलिफ़िल्म प्राय: करैत रहैत छथि। शुभ नारायणक पसंदीदा काज में टेलिफ़िल्म “उत्थान” अहि जे पंचायती राज्य मंत्रालय/विभाग के छलैक । 
"चल रे बटोहिया"

कुमार शैलेन्द्र द्वारा निर्देशित मैथिली सीरियल “दीयर भाउज” में जे एखनो सौभाग्य मिथिला टीवी पर प्रसारित भए रहल अछि, शुभ नारायण जीक समदि कक्का के चरित्र एखनो लोक के बेसी पसंद आबि रहल छैन्ह । ‘ चल रे बटॊहिया” में शुभ जी बटॊहिया के चरित्र आ बेश भूषा में गामे गाम घूमि कए सकारात्मक दर्शन करा रहल  छथि। मैथिलीक प्रसिद्ध गायक हरिनाथ जीक एकटा भोजपुरी फ़िल्म बनौने छलाह जाहि में शुभ जी फ़िल्मक खलनायक के भूमिका केने छलैथि मुदा वो फ़िल्म एखनो धरि डब्बा में बंद अहि। मैथिलीक एकटा आगामी फ़िल्म “ खुरलुच्ची”, जकर निर्देशन मनोज कुमार झा केने छथि , में शुभ जी फ़ेरो खलनायक भूमिका में छथि।

मैथिली के अतिरिक्त, शुभ जी हिन्दी नाटक सेहो केने छथि । हुनकर प्रिय हिन्दी नाटक “ माटी कहे कुम्हार से” जाहि मे शुभ जी चारिटा चरित्र निभाबैत 15 शो कए चुकल छथि। 
“मुक्ति पर्व”
मैथिली में शुभ नारायन जी द्वारा कएल गेल नाटक में रोहिणि रमन जीक “टुस्सा आ बांझिल” जाहि में खलनायकक भूमिका केने छथि, महेन्द्र मलंगियाक “छुतहा घैल” (भगतक भूमिका), आ अविनाश मिश्राक “मुक्ति पर्व” (महादेवक भूमिका) उल्लेखनीय नाम अछि। 
नियमित रुप सं जरुरत मंद के आर्थिक सहयोग प्रदान कए समाज सेवा केनिहार शुभ जी नटराज, मिथिलांगन आ मैलोरंग नाट्य ग्रुप सं जुड़ल छैथ।अखिल भारतीय मिथिला संघक जिम्मेवारी कोनो ने कोनो रुप में लए मिथिलाक प्रगति हेतु यथाशक्ति योगदान देबक प्रयास  करैत रहैत छथि।
शुभ नारायण जीक आबय बला मैथिली फ़िल्म अछि- मनोज झा निर्देशित " हमर सौतिन", आ उदय राजक " घोघमें चांद"। हुनक "खुरलुच्ची" जल्दिये रीलीज होमय बला अछि।


मैथिली फ़िल्म "खुरलुच्ची"