Showing posts with label Anshu Mala Jha (Singer). Show all posts
Showing posts with label Anshu Mala Jha (Singer). Show all posts

Tuesday, January 3, 2012

मैथिली लोक संगीतक कोकिला - अंशु माला झा (Singer Anshumala Jha)

दिल्ली के श्री राम सेन्टर में गायन करैत अंशु माला
अंशु माला झा बहुचर्चित बहुमुखी प्रतिभाशाली गायिकाक नाम थिक । मूलत: मधुबनी जिला अन्तर्गक कलुआहीक ढंगा पश्चिम ग्रामक रहनिहार अंशु माला एक किसान परिवार सं संबंध रखैत छथि। अपन गाम सं बचपने सं जुड़ल अंशुमालाक प्रारंभिक शिक्षा दीक्षा पटना में भेलनि आ पटना के ही अपन कर्मभूमि बनौलनि । पटना सं ग्रेजुएशन केला के बाद आगुक पढाई लिखाई के लेल ई दिल्ली चलि एली । 
बिहार के तत्कालीन राज्यपाल डॉ ए आर किदवई सं प्रथम पुरस्कार प्राप्त करैत
दिल्ली विश्वविद्यालय के मिरान्डा हाउस कॉलेज सं एम ए, एम फ़िल केला के बाद ऎखन अंशुमाला अहि ठाम सं हिन्दुस्तानी क्लासिकल आ विद्यापति संगीत में पीएचडी कय रहल छथिन।
  
अंशु माला के बचपने सं संगीतक प्रति विशेष रुझान आ लगाव रहनि । परिणामत: ई कक्षा प्रथम सं ही अपन स्कूल तरफ़ सं रंगमंच पर अपन मधुर गायनक प्रदर्शन कर लगली। हिनकर आकर्षक आ सुन्दर प्रदर्शन के देखैत अंशु माला के बिहारक तत्कालीन मुख्यमंत्री श्री लालू प्रसाद केर हाथ सं पहिल पुरस्कार भेटल छल। पुरस्कार प्राप्त कय अंशु माला आरो प्रोत्साहित भय गेली। अपन माता पिता के से हो संगीत सं विशेष लगावअक कारण हिनका हुनका सब सं बहुते सहयोग भेटलनि।
 मैथिली लोक संगीत आ संगीतक क्षेत्र में हिनकर पहिल “गुरु” अंशु मालाक मां श्रीमती शशि किरण झा छथिन । हुनका बाद अंशु माला श्री हॄदय नारायण झा सं से हो लोकगीतक शिक्षा प्राप्त केने छथि।
अंशु मालाक संगीत जीवन में स्कूलक संगीत शिक्षिका श्रीमती उषा चौधरीक प्रेरणा बड पैघ आ महत्वपूर्ण भूमिका छनि । श्रीमती उषा चौधरी द्वारा प्रेरित केला पर ही अंशु माला अपन क्लासिकल संगीतक शिक्षा के आगा बढौने रहथि । 
राष्ट्रपति डॉ ए पी जे कलाम सं आशीर्वाद लैत
 बाद में अंशु माला कतेको संगीत गुरु सं शिक्षा ग्रहण केलि जाहि में पंडित देवानन्द ठाकुर, श्री गौतम बनर्जी, प्रो डॉ नीरा चौधरी किछु विशेष नाम अहि। दिल्ली अयला पर अंशु माला पंडित राजन साजन मिश्रा सं से हो संगीतक गूढ तत्व सिखली।
 अशु माला अपन आदर्श अश्विनी भिड़े देशपाण्डे के मानैत छथि जिनका सं बहुत किछु सीखलनि। मैथिली लोक संगीत में प्रशिक्षण के लेल संस्कृति मंत्रालय , भारत सरकार द्वारा हिनका चात्रवृति प्रादान कयल गेल अछि। प्रयाग संगीत समिति , इलाहाबाद सं 2001 में “प्रभाकर” डिग्री लेलनि। भारत के लगभग 24 राज्य में अंशु माला जी द्वारा अनेको बेर संगीतक प्रस्तुतीकरण कयल गेल अछि आएखन धरि आकाशवाणी (ऑल इन्डिया रेडियो ) में गजल आ लोक संगीतक नियमित कलाकारक रुप में जुड़ल छथि। विद्यापति पर्व समारोह में अनेको ठाम अपन गायनक सुन्दरतम प्रस्तुतीकरण केने छथि आ कय रहल छथि। अखिल भारतीय 9 वां राष्ट्रीय युवा पर्व/समारोह में बिहार सं क्लासिकल गीत में प्रथम पुरस्कार भेटल छलैन। अहि में अंशु माला बिहार राज्य के प्रतिनिधित्व केने रहथि। आकाशवाणी में कतेको फ़ीचर में बिहारक प्रतिनिधि रहथि। लद्दाख में आयोजित “सिंधु दर्शन” में से हो बिहार संस्कृतिक प्रतिनिधित्व केने छथि । डीडी भारती, डीडी नेशनल, महुआ टीवी, ईटीवी, सहारा समय, न्यूज 24 में अपन गायन कय चुकल छथि। दिल्ली विश्वविद्यालय में 2005-2006 में इन्टर कॉलेज प्रतियोगिता में क्लासिकल गायन लेल श्रीमती प्रधानमंत्री गुरुशरण कौर आर दिल्ली विश्वविद्यालय के वाइस चांसलर प्रो दीपक पेंटल के हाथ सं प्रथम पुरस्कार प्राप्त केनाय अंशु मालाक बड़ पैघ उपलब्धि अछि ।
अंशु मालाक सुपरहिट मैथिली गीतक एल्बम
 अंशु मालाक एल्बम – प्रिय पाहुन, मैथिली विवाह गीतक सीडी मिथिलांचल में हिनकर सुमधुर गायनक लेल बहुत लोकप्रिय मानल जायत अछि। मैथिली फ़ीचर फ़िल्म “सीतायण में गायन” में हिनकर गायन आ मधुर स्वर मनमोहक अछि!

आहिके अतिरिक्त, अंशु माला एखन नवका प्रोजेक्ट पर काज कय रहल छथि। रिपोर्ट- भास्कर झा

Anshu Mala: Tikba Jab Jab Mangaliyau Re Jatba
Anshu Mala- Piya Mora Balak

प्रिय पाहुन एल्बमक गीत - राजा जनक के