हिन्दी सिनेमा आ सीरियल में अभिनय करय बला मैथिल कलाकारक सूची में नरेन्द्र झा केर नाम सर्वोपरि मानल जायत अछि जे अपन कला आ अभिनयक दमखम पर अपना आपके स्थापित केने छथि।
मिथिला के कला नगरी मधुबनी के कोयलख में शिक्षक परिवार में जनमल नरेन्द्र झा के प्रारंभिक शिक्षा दीक्षा पटना में आ उच्चतर शिक्षा दिल्ली में भेलनि। जेएनयू, नई दिल्ली सं इतिहास में एमए केला के उपरान्त नरेन्द्र जी केर कला के प्रति लगाव हुनका दिल्ली के श्री राम सेन्टर में कलाकर्क रुप में अपन कला प्रदर्शन वास्ते खीचि कय लय एलनि। बाद में नरेन्द्र जी रोशन तनेजा के सान्निध्य में फ़िल्म में अभिनयक शिखा सिखलथि।
1996 में एबीसीएल (ABCL) द्वारा फ़िल्म में मुख्य भूमिका के लेल हुनकर चयन कायल गेल । मॉडलिंग के क्षेत्र में नरेन्द्र झा 90 के दसक में कतेको रासे लोकप्रिय ब्रैंड के लेल मोड्लिंग केलनि जाहि में दिनेश सूटीम्ग्स, ग्रैसिम, इंस्टीक्ट, क्लोज-अप,पेप्सोडेन्ट, आईसीआईसीआई, अप्लो टायर्स आदि किछु महत्वपूर्ण नाम अहि।
नरेन्द्र झा फ़ीचर फ़िल्म्स आर सीरियल में मुख्य किरदार/ समानान्तर भूमिका केने छथि आ कय रहल छथि। हुनका द्वारा अभिनित फ़िल्म अछि - जी वी अय्यर के "शान्तला" (2001), इम्तियाज पंजाबी के " फ़ंटूश " (2002), राज मौली के तेलुगु फ़िल्म " छत्रपति " (2002), श्याम बेनेगल के " नेताजी सुभाष चन्द्र बोस " (2004), संजय सिंह के " कच्ची सड़क " (2005), शेखर झा के " एक दस्तक " (2006),राज मौली के "यमदोंगा "(2007) आदि।
अन्तर्राष्ट्रीय परियोजना में नरेन्द्र झा लव इन बॉम्बे (2002) में मुख्य भूमिका निभौने छथि ।
हिन्दी फ़िल्म के अतिरिक्त नरेन्द्र झा कयकटा टीवी सीरियल में मुख्य भूमिका केने छथि जाहि में इतिहास, कैप्टेन हाउस, सीआईडी ऑफ़िसर, क्योंकि सास भी कभी बहु थी, रावण, छूना है आसमान आदि किछु विशेष नाम अहि।
वर्तमान समय में कलर्स पर प्रसारित भ रहल सीरियल हवन में नरेन्द्र जी केर अभिनयक बड चर्चा भ रहल अछि।
- Bhaskar Jha






